हेटौँडा–काठमाण्डू जोड़बला मुख्य वैकल्पिक मार्ग खुला


काठमाण्डू, २० आसिनः अविरल वर्षा, बाइढ़ आ भुस्खलनसँ प्रभावित हेटौँडा–काठमाण्डू जोड़ैबला मुख्य वैकल्पिक मार्गसभ सञ्चालनमे आएल छै ।

प्रदेश सरकारक ‘क्विक रेस्पोन्स टिम’के पहलमे फाखेल आ सिस्नेरी खण्डमे रहल अवरोध २४ घण्टाभित्रे हटा क यातायात पूर्ण रूपमे सञ्चालन केलक अइछ। राष्ट्रिय विपद् जोखिम न्यूनीकरण तथा व्यवस्थापन प्राधिकरण आ जिला प्रशासन कार्यालय मकवानपुर अत्यावश्यकबाहेक सवारीसाधनकेँ तीन दिनधैर काठमाण्डू प्रवेशमे रोक लगेबाक सूचना जारी कएलाक बाद त्रिभुवन राजपथ, कान्ति लोकपथ तथा फाखेल आ सिस्नेरीके वैकल्पिक रस्तामे सवारी सञ्चालनमे रोक लगाएल गेल छल ।

मन्त्रालयअन्तर्गतके यातायात पूर्वाधार निर्देशनालयक निर्देशक नवीन कुमार सिंह नेतृत्वके टोली स्थानीय प्रशासनसङ समन्वय क फाखेल सड़कखण्ड तीन घण्टामे भुस्खलन हटा क सञ्चालन कएने छल । वर्षा बन्द भेलाक बाद स्काभेटरसहित सुरक्षाकर्मीके समूह परिचालन क सड़क सञ्चालन केलक अइछ ।

हुनक कहब अनुसार सम्भावित अवरोधकेँ ध्यानमे राखैत कुलेखानी–फाखेल, कुलेखानी–सिस्नेरी–दक्षिणकाली, मातातीर्थ आ भैँसे–भीमफेदी खण्ड क चाइर रणनीतिक स्थानमे आवश्यक उपकरणसहितके ‘क्विक रेस्पोन्स टिम’ केँ ‘स्ट्यान्डबाई’ राखल गेल अइछ । कोनो स्थानमे नयाँ भुस्खलन वा अवरोध सिर्जना भेलापर तत्काले परिचालन करबाक लेल तैयार रहल ओ बतौलैन ।  (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय