जलेश्वर (महोत्तरी) । रातु नदीके बाइढ़सँ तटबन्ध टुटलाक बाद माछ पालन करैत आएल किसानकेँ करोड़ो टका बराबरके नोक्सानी भेल अइछ ।
जिलाक १० नगरपालिका आ पाँच गाउँपालिकाके ८ सओ हेक्टर पोखैरमध्ये ४ सओ हेक्टर पोखैरीमे बाइढ़क पाइन पैसलासँ १० करोड़ टका बराबरके माछ दहाएल माछ पालन केनिहार कृषकसभ दाबी केलक अइछ ।
बितल रैबदिन आ सोमदिनक बाइढ़सँ सदरमुकाम जलेश्वर नगरपालिकासहित मटिहानी, बलवा, लोहारपट्टी, मनरासिश्वा आ एकड़ारा नगरपालिका, महोत्तरी, पिपरा गाउँपालिकाके करिब दू सओ पोखैरके करिब ३५ हजार क्विन्टल माछ दहाएल माछ पालक मनरासिश्वा–५ के राम सुदिश शरण बतौलैन ।
तटबन्ध टुटलासँ राम विशेष शरण, सुशिल सहनी, भरत सहनी, जामुन मुखिया, सुनिल साह, शङ्कर साह, रञ्जीत शरण, फूल कुमारी देवी, परमानन्द मुखिया, ईनरजीत मुखियालगायतक दर्जनसँ बेसी पोखैर डुबल तथा करोड़ो टका बराबरके माछ दहाएल जलेश्वर नगरपालिका–१ के माछ पालक शङ्कर साह बतौलैन ।
बैङ्कसँ कर्जा ल क पालन कएल गेल माछ बाइढ़सँ दहेलाक बाद पीड़ितसभ सरकारसँ अनुदान तथा क्षतिपूर्तिके माँग केलक अइछ । (रासस)





