टिकटक बनेबा लेल नदीमे कुदल युवकके मृत्यु


बारा, २४ आसिनः टिकटक बनेबा लेल दुधौरा नदीके पुलसँ कुदल एक गोटे युवकके लहास भेटल अइछ ।

इएह आसिन १९ गते टिकटक भिडियो बनेबाक क्रममे दुधौरा नदीके पुलसँ कुदलाक बाद बेपत्ता भेल बाराके प्रसौनी गाउँपालिका–२ निवासी २१ वर्षक विकी गोसाइँके आइ लहास भेटल जिला प्रहरी कार्यालय बारा जनौलक अइछ ।

छ दिनक बाद गण्डक जाएबला बङ्गरी पुल लग हुनक लहास भेटल जिला प्रहरी कार्यालय बाराके प्रहरी प्रवक्ता विजयराज पण्डित जानकारी देलैन ।

आसिन १९ गते रैबदिन भोर ८ः३० बजे दुधौरा नदीके पुलसँ कुदलाक बाद गोसाइँके सशस्त्र प्रहरी आ नेपाली सेनाके गाताखोर खोजतलास कएने छल ।

इलाका प्रहरी कार्यालय प्रसौनीके प्रमुख प्रहरी निरीक्षक टुपेन्द्र श्रेष्ठके कहब अनुसार नेपाली सेनाक लप्टन नीरज राईके कमान्डमे २३ गोटे, सशस्त्र प्रहरी निरीक्षक इन्द्रजङ्ग थापाके नेतृत्वमे १० गोटे आ प्रहरी सहायक निरीक्षक राज नारायण महतोके कमान्डमे १० गोटेसहित ४३ गोटेक टोली गोताखोरके सहयाेगमे खोज तलासमे खटल छल । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय