नेपाली युवा आशीर्वाद राज झा संयुक्त राष्ट्रसंघक विश्व खाद्य मंच २०२५ मे सहभागी


काठमांडू । नेपालक युवा आशीर्वाद राज झा केँ संयुक्त राष्ट्रसंघक खाद्य आ कृषि संगठन (एफएओ) अन्तर्गत आयोजित विश्व खाद्य मंच (डब्लुएफएफ) २०२५ मे सहभागी होबाक लेल नेपाल सँ एकमात्र आधिकारिक निमंत्रण प्राप्त भेल अछि ।

नेपाल सँ प्रतिनिधित्व करबाक लेल आधिकारिक निमंत्रण भेटल काठमांडू वन विज्ञान कलेजक स्नातक विद्यार्थी आशीर्वाद राज झा कार्यक्रम मे सहभागी भऽ रहल छथि, ई बात हुनकर साथी अभिनम थापा जनौलनि।

थापा जनौलनि जे, एहि सँ पहिले आशीर्वादक नेतृत्व मे “इको ग्रब” समूह ने नेदरल्यान्ड मे आयोजित अन्तरराष्ट्रीय प्रतियोगिता मे विश्वक नौ देशक अठार टोलीमे सँ दोसर स्थान प्राप्त कएल छल।

आशीर्वादक नेतृत्व मे रहल “इको ग्रब” समूह कालो सिपाही झिंगा (ब्ल्याक सोल्जर फ्लाइ) पर आधारित नवप्रवर्तनशील समाधान प्रस्तुत कए दोसर स्थान हासिल कएने छल।
एहि अनुसन्धान सँ फोहोर व्यवस्थापन आ पोषक तत्व पुनर्प्राप्ति मे महत्वपूर्ण योगदान भेटबाक विश्वास व्यक्त कएल गेल अछि। कालो सिपाही झिंगाक प्रयोग सँ पर्यावरण संरक्षण आ कृषि उत्पादन मे दिगोपनक नव दृष्टिकोण भेटत, ई अपेक्षा थापा जनौलनि ।

नेदरल्यान्ड मे भेटल सफलता क बाद “इको ग्रब” आब विश्व खाद्य मंच २०२५ मे अपन परियोजना केँ विश्वस्तर पर प्रस्तुत करबाक आ कार्यान्वयन करबाक अवसर पाबि रहल अछि ।
नेपाल लेल ई उपलब्धि युवाक अन्तरराष्ट्रीय स्तर पर बढैत क्षमता, अनुसन्धान आ नवप्रवर्तनशील सोचक उज्ज्वल उदाहरण बनि गेल अछि, थापा कहलनि ।

ई प्रतिष्ठित अन्तरराष्ट्रीय कार्यक्रम सन २०२५ क अक्टोबर १० सँ १८ तक इटलीक रोम स्थित एफएओ मुख्यालय मे आयोजित भऽ रहल अछि । एहि वर्षक मंचक मुख्य विषय “हात मे हात, उत्तम भोजन आ उज्ज्वल भविष्य लेल” राखल गेल अछि, जे विश्वभरक युवा, वैज्ञानिक, नवप्रवर्तनकर्ता आ नीतिनिर्माताक एकटा मञ्च पर आनि दिगो, समान आ सुदृढ कृषि–खाद्य प्रणाली निर्माण करबाक लक्ष्य लएने अछि ।

सरकारक प्रतिनिधि, अन्तरराष्ट्रीय संस्था, निजी क्षेत्र, विश्वविद्यालय, किसान सङ्घ, नागरिक समाज आ संयुक्त राष्ट्रक विभिन्न निकाय सँ सहकार्य कए दिगो विकास लक्ष्य (एसडीजी) हासिल करबाक लेल नवप्रवर्तनशील विचार आ योजना प्रस्तुत करबाक अवसर भेटत ।
एहि वर्षक फोरम मे विश्व युवा मंच, विज्ञान आ नवप्रवर्तन मंच आ “हात मे हात” लगानी मंच समेत प्रमुख सत्र सभ आयोजित होयत ।
तेँ “बीअ सँ भोजन तक” शीर्षकक पहिल विश्व प्रदर्शनी, एफएओक ८०म वार्षिकोत्सव, विश्व खाद्य दिवस २०२५ समारोह, रोम जल संवाद आ आदिवासी जनताक मंच सेहो एहि अवसर पर आयोजित भेल अछि ।

एफएओक युवा आ महिला कार्यालयक निर्देशक काजुकी किताओका द्वारा पठाओल गेल निमंत्रण पत्र मे आशीर्वाद झा केँ सक्रिय सहभागिताक लेल हार्दिक स्वागत व्यक्त कएल गेल अछि ।

ताजा खबर
धेरै पढिएको