समुदायक अग्रसरताविना विपद् न्यूनीकरण असम्भवः गृहमन्त्री अर्याल


पाटन (ललितपुर), २७ आसिनः गृहमन्त्री ओम प्रकाश अर्याल समुदायक अग्रसरताबिना विपद् न्यूनीकरण सम्भव नै भेलासँ सबके समवंय, सहकार्य आ सहभागिता आवश्यक रहल बतौलैन अइछ ।

विपद् जोखिम न्यूनीकरणक लेल अन्तर्राष्ट्रिय दिवस २०२५ के अवसरमे राष्ट्रिय विपद् जोखिम न्यूनीकरण तथा व्यवस्थापन प्राधिकरणद्वारा आइ अन्तर्राष्ट्रिय एकीकृत पर्वतीय विकास केन्द्र (इसिमोड) खुमलटारमे आयोजन कएल गेल विपद् जोखिम न्यूनीकरणसम्बन्धी चारिम राष्ट्रिय सम्मेलनमे ओ सरकार सबके समवंय, सहकार्य आ सहभागितामे विपद् जोखिम न्यूनीकरण तथा व्यवस्थापनक काज करबापर जोड़ देलैन ।

गृहमन्त्री अर्याल कहलैन, “नेपाल विपद् संवेदनशील क्षेत्रमे पड़ैत अइछ । बितल समय विपद्के कारण नेपालके पैघ क्षति भेल छै । जइ कारण विकासक गति सेहो अवरुद्ध भेल छै । सरकार विपद् जोखिम न्यूनीकरणकेँ प्राथमिकतामे राखैत आएल छै ।”

विपद्केँ प्रकृतिमे मात्रे नै भ सामाजिक, संरचनात्मक एवं नीतिगत कमजोरीसँ सेहो तुलना करबाक चाही से ओ धारणा व्यक्त केलैन । केन्द्रसँ ल क स्थानीय तहधैर विपद् व्यवस्थापनक लेल बहुतो संयन्त्र क्रियाशील रहल आ सब निकाय जिमेवार होबाक चाही से ओ स्पष्ट केलैन ।

राष्ट्रिय विपद् जोखिम न्यूनीकरण तथा व्यवस्थापन प्राधिकरणके कार्यकारी निर्देशक दिनेश भट्ट विपद् व्यवस्थापनक क्षेत्रमे सरकारक काजकेँ प्रभावकारी आ विश्वसनीय बनाएब आवश्यक रहल बतौलैन । (रासस)

ताजा खबर
धेरै पढिएको