चितवन, २७ आसिनः श्री नयाँ सबुज गण दल भरतपुरमे सञ्चालित सिसँ ४ सैन्य आधार तालिमक अन्तिम दलेल कवाज आइ एत सम्पन्न भेल अइछ। नेपाली सेनाक नम्बर ७ वाहिनी अड्डाक वाहिनीपति सहायक रथी डा. कमल बानियाक प्रमुख आतिथ्यमे अन्तिम दलेल कवाज सम्पन्न भेल अइछ।
ओ अवसरमे कोशी प्रदेशक ४१, गण्डकी प्रदेशक तीन, कर्णाली प्रदेशक ३१ आ सुदूरपश्चिम प्रदेशक २९ क १०४ गोट सहभागी छल। ओ सब नौ महिनाकेँ कठोर तालिमक बाद आइ एक समारोहक बीच शपथ लेलैन। ओ अवसरमे देशक रीढ़ सेना भेल कहैत सेनाक रीढ़ तालिम प्राप्त अनुशासित तथा कर्तव्यनिष्ठ सिपाही भेल बात वाहिनीपति बानियाँ बतौलैन।
राष्ट्रिय स्वतन्त्रता, स्वाधीनता, भौगोलिक अखण्डता आ राष्ट्रिय एकताक संरक्षणक लेल प्रतिबद्ध नेपाली सेनाक मूलभूत दायित्वकेँ मनन क आवश्यक पड़लापर राष्ट्र आ जनताक लेल प्राणक आहुति देबासँ सेहो पाछाँ नै हटबाक प्रण करब एक सैनिकके धर्म रहल ओ बतौलैन।
गणक गणपति प्रमुख सेनानी दिनेश लामा कहलैन जे कठोर मेहनतकेँ सङ तालिम प्राप्त सिपाहीसभ नेपालभैर पसरल विभिन्न युनिटमे नियुक्त भ देश आ जनता प्रति समर्पित रइह सेवा करबाक अठोटक सङ परिचालन होएत। (रासस)





