जनकपुरधाम । मधेश प्रदेशक नवनियुक्त मुख्यमन्त्री जितेन्द्र प्रसाद सोनार सोनल बृहपइत दिन पदभार ग्रहण कएलक अइछ ।
प्रदेश प्रमुख सुमित्रा भण्डारीसँ जनमत संसदीय दलक नेता महेश प्रसाद यादव आ नेकपा एकीकृत समाजवादीका कनिष पटेल विना विभागीय मन्त्रीकें रुपमे गोपनियताक सपथ ग्रहण कएलक अइछ । नवनियुक्त मुख्यमन्त्री जितेन्द्र सोनलके सिफारिसमे भण्डारीद्वारा मन्त्री नियुक्त कएल गेल अइछ ।
लोकतान्त्रिक समाजवादी पार्टी (लोसपा) नेपालक नेतृत्वमे गठन भेल नवका सरकारमे जनता समाजवादी पार्टी (जसपा) नेपाल, जनमत पार्टी, माओवादी केन्द्र आ एकीकृत समाजवादी सहभागी भेल अइछ । पदभार ग्रहण लगत्ते मुख्यमन्त्री सोनल जनकपुरधामक मुजेलिया स्थित शहिद गेट पहुँचकए शहिदसबप्रति सम्मान प्रकट करैत माल्यार्पण कएलक अइछ ।
पत्रकारसबके संक्षिप्त प्रतिक्रिया दैत नवनियुक्त मुख्यमन्त्री सोनन हेल्लो सिएम कार्यक्रमके निरन्तरता देबाक संगे जनभावना अनुरुप काज करबाक प्रतिवद्धता व्यक्त कएलक अइछ ।





