विपीन जोशी: गाजामे मारल गेल, महाकालीमे बिलिन


शेरबहादुर सिंह/रासस
महेन्द्रनगर, ४ कार्तिकः जँ विपीन जोशी जीवित रहित तँ अखन हुनकर परिवार मात्र नै, पूरा देश हुनकर रिहाइक खुशीमे रहैत । हुनका विमानस्थलसँ घरधैर स्वागत करैबलाके लाइन देखाइत रहैत ।

दू सालसँ विपीनके सकुशल रिहाइक प्रतीक्षामे बैसल नेपाली जखन एक सप्ताह पहिने ओ जीवित नै रहल खबर प्राप्त केलक । तकरा बाद परिवार सहित पूरा देश शोकमे डुइब गेल । हमासद्वारा बन्धक बनाएल गेल अवधिमे गाजामे मृत्यु भेल कञ्चनपुरक विपिन जोशीके आइ भोरमे महाकाली नदी स्थित भुजेलाघाटमे अन्त्येष्टी कएल गेल अइछ ।

जोशीक पार्थिव शरीरपर कञ्चनपुरक प्रमुख जिला अधिकारी लक्ष्मण ढकाल राष्ट्रिय झण्डा ओढ़ा क सम्मान व्यक्त केलैन । तकरा बाद सशस्त्र प्रहरी बलक एक टुकड़ी विपीनकेँ सलामी अर्पण केलक ।

इजरायलद्वारा उल्लेख कएल गेल ‘फरेन्सिक रिपोर्ट’ अनुसार इजरायल-हमास युद्धमे हमासद्वारा बन्धक बना क माथमे गोली माइर विपीनके हत्या कएल गेल उल्लेख अइछ । विपीन जीवित नै रहल विषयमे जानकारी बितल आसिनक अन्तिम सप्ताह मात्र हमास सार्वजनिक कएने छल । कृषि विज्ञान दिस स्नातक तहके अध्ययनक सिलसिलामे विपीन सहितक नेपाली विद्यार्थीक समूह इजरायल पहुँचल छल । ओइ क्रममे हमासके आक्रमणसँ विपीनकेँ हमास अपहरण क ल गेल छल ।

विपीनके खोज करबाक लेल राष्ट्रिय-अन्तर्राष्ट्रीय स्तरपर दबाव बढ़ाएल गेलोपर अन्ततः विपीन जीवित नै रहल बात हमास बतौलक । विभिन्न प्रक्रिया पूरा क सोमदिन दिनमे काठमाण्डू आनल गेल विपीनक शव साँझ अबेरसँ महेन्द्रनगर स्थित घर पहुँचल छल । भुजेलाघाटमे पिता महानन्द जोशी आ बड़का बाबु रामदत्त जोशी दागबत्ती देलैन ।

नेपालक लेल इजरायली राजदूत समुलिक एरी बास भुजेलाघाटमे पहुँच क इजरायली राष्ट्रपतिक शोक सन्देश सुनबैत इजरायली झण्डा विपीनक शवपर ओढ़ौलैन। राजदूतक नेतृत्वक समूह शव सङे काठमाण्डूसँ विपीनक अन्त्येष्टीधैर सहभागी भेल । विपीनक काजक्रिया बड़का बाबु रामदत्त जोशी क रहल छैथ, परिवारजन बतौलैन ।

शवयात्रामे जनप्रतिनिधि, इजरायली राजदूत सहितक टोली, विपीनक इष्टमित्र, परिजन आ सर्वसाधारणक उल्लेखनीय सहभागिता छल ।

ताजा खबर
लोकप्रिय