प्रधानमन्त्रीके आह्वानमे आइ त्रिपक्षीय वार्ता


काठमाण्डू, १२ कात्तिकः प्रधानमन्त्री सुशीला कार्कीके आह्वानमे सरकार, राजनीतिक दल आ जेनजी समूह बीच निर्वाचनक माहोल बनेबाक विषयमे त्रिपक्षीय वार्ताक आह्वान केलैन अइछ ।

प्रधानमन्त्री निवासमे आइ दुपहर ४ः०० बजे होबएबला बातचितमे विघटित प्रतिनिधि सभामे प्रतिनिधित्व केनिहार प्रमुख दलक प्रतिनिधि, सरकारक मन्त्रीसभ आ जेनजी समूहक अगुवा एवं प्रतिनिधिसभ सहभागी होबाक जनाओल गेल अइछ ।

संचार तथा सूचना प्रविधिमन्त्री एवं सरकारक प्रवक्ता जगदीश खरेल निर्वाचन सफल बनेबा लेल चरणबद्ध वार्ता आ बातचित जारी रहल कहैत त्रिपक्षीय बैसारक आह्वान कएल गेल राससकेँ जानकारी देलैन ।

अइगला फागुन २१ गतेके लेल निर्धारण कएल गेल निर्वाचनक माहोल बनेबाक क्रममे सरकार राजनीतिक दल, निर्वाचन आयोग, सुरक्षा निकाय आ सम्बद्ध पक्षसँ औपचारिक आ अनौपचारिक वार्ता आ बातचित करैत आएल अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय