काठमाण्डू, १३ कात्तिकः ‘मोन्था’ चक्रवातक कारण शैनदिन भोरधैर देशक अधिकांश भागमे वर्षा होबाक संभावना रहल जल तथा मौसम पूर्वानुमान महाशाखा बतौलक अइछ ।
कर्णाली आ सुदूरपश्चिम प्रदेशमे छिटपुट, अन्य प्रदेशमे मध्यम वर्षा होएत, तँ शैनदिन भोरसँ मात्रे मौसममे सुधार आओत से जल तथा मौसम विज्ञान विभागक प्रवक्ता विभूति पोखरेल राससकेँ बतौलैन । अइगला २४ घण्टा काठमाण्डू उपत्यकाक सङे आसपासक क्षेत्रमे वर्षा होबाक जानकारी दैत ओ सब स्थानपर निरन्तर वर्षा नै होबाक सेहो बतौलैन ।
अइगला २४ घण्टामे कोशी, बागमती, गण्डकी आ कर्णाली प्रदेशक पहाड़ी तथा हिमाली भेगमे हिमपातक संभावना रहल प्रवक्ता पोखरेल जानकारी देलैन । (रासस)





