सोनाके दाम बढ़ल


काठमाण्डू, १४ कातिकः सोनाके दाम आइ प्रतितोला दू हजार सात सओ टकासँ बढ़ल अइछ ।

वृहस्पैतदिन प्रतितोला दू लाख ३६ हजार तीन सओ टकामे कारोबार भेल सोना आइ बइढ़ क तोलाके दू लाख ३९ हजार टका कायम भेल नेपाल सुनचाँदी व्यवसायी महासङ्घ जनौलक अइछ ।

तहिना, चाँदीके दाम तोलामे ८० टकासँ बइढ़ क तीन हजार ६० टका कायम भेल अइछ । अन्तर्राष्ट्रिय बजारमे आइ सोना प्रतिऔंस तीन हजार ९ सओ ९५ अमेरिकी डलर हाराहारीमे कारोबार भ रहल अइछ ।(रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय