काठमाण्डू, १५ कातिकः प्रधानमन्त्री सुशीला कार्की अगिला फागुन २१ गते निर्धारित निर्वाचन सफल बनेबाक लेल सबके साथ आ सहयोग जरुरी रहल बताैलैन अइछ ।
प्रधानमन्त्री निवास बालुवाटारमे शुक्रदिन विभिन्न सञ्चारमाध्यमक सम्पादकसङे देशक समयसामयिक राजनीतिक विषय, निर्वाचनके तैयारी, सरकारक काज कारवाहीसहित विषयमे बातचित कएल गेल हुनक सचिवालय जनौलक अइछ ।
प्रधानमन्त्री कार्की निर्वाचनक लेल आवश्यक वातावरण बनाबए सरकारक दिससँ अधिकत्तम प्रयास भ रहल आ क्रमशः वातावरण बनैत गेल तथा अइ बीचमे जेनजी, राजनीतिक दलबीचमे बातचित भेल सेहो उक्त अवसरमे जानकारी देने छलैथ ।
सबकेँ विश्वास दिया क निर्वाचन सफल बनेबाक आ नयाँ सरकारकेँ जिमा लगा क विदा होबाक मनसायमे रहल प्रधानमन्त्री कार्कीके कहब छल ।
सुशासन कायम करैबला आ निर्वाचन करेबाक सरकारक प्रमुख उद्देश्य रहल उल्लेख करैत प्रधानमन्त्री राजनीतिक दलकेँ निषेध नै उत्साहपूर्वक सहभागिता करबा क फागनु २१के निर्वाचन सम्पन्न करैत सत्ता हस्तान्तरण कएल जेबाक बतौलैन ।
बातचितमे अर्थमन्त्री रामेश्वर खनाल, ऊर्जा, जलस्रोत सिँचाइ, भौतिक पूर्वाधार तथा यातायात आ शहरी विकासमन्त्री कुलमान घिसिङ, गृहमन्त्री ओमप्रकाश अर्याल, कानुनमन्त्री अनिल कुमार सिन्हा आ सञ्चार तथा सूचना प्रविधिमन्त्री जगदीश खरेलके उपस्थिति छल । (रासस)





