‘शिक्षक वा प्राध्यापक राजनीतिमे संलग्न भेल तँ कारबाही हएत’


काठमाण्डू, २३ कातिकः शिक्षा, विज्ञान तथा प्रविधिमन्त्री महावीर पुन नेपाल शिक्षक महासङ्घ, प्राध्यापक आ शिक्षा निकायसँ सम्बध कर्मचारीक सङ्गसङ्गठनकेँ गैह्रराजनीतिक चरित्र बनाक आह्वान केलैन अइछ ।

मन्त्री पुन आइ विज्ञप्ति जारी करैत साझा प्रकृतिके ट्रेड युनियन सङ्गठन होएबाक चाही आ हुनकासभक पेसागत हकहितक लेल सामूहिक सौदाबाजी करए लेल मिलत ताहिमे हम स्पष्ट छी, मुदा राजनीतिक दलके जनसङ्गठन तथा शुभेच्छुक संस्थामे रहल शिक्षक–प्राध्यापक सङ्गठनकेँ हम मान्यता नै देब कहलैन ।

मन्त्री पुन स्वयंकेँ विभिन्न माध्यमसँ प्राप्त सुझाव आ शिकायतमे शिक्षक–प्राध्यापक आचरण विपरीत राजनीतिक गतिविधिमे संलग्न भेलासँ शैक्षिक गुणस्तरमे प्रतिकूल असर भेल विज्ञप्तिमे उल्लेख कएने अइछ ।

“आचरण विपरीत राजनीतिक गतिविधिमे संलग्न भेल तँ कानुनबमोजिम कारबाही कएल जाएत”, विज्ञप्तिमे कहल गेल अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय