सभापति लामिछानेद्वारा निर्वाचन खर्च विवरण सार्वजानिक


चितवन, २७ फागुनः राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टी (रास्वपा)के दिससँ चितवन क्षेत्र नम्बर २ सँ प्रतिनिधि सभा सदस्य पदमे उम्मेदवारी देने रवि लामिछाने निर्वाचन खर्च विवरण पेस केलैन अइछ ।

निर्वाचन आयोगमे पेस कएल गेल विवरणअनुसार निर्वाचनक क्रममे रास्वपाके सभापति सेहो रहल लामिछानेद्वारा नौ लाख ८९ हजार ९ सओ ८७ खर्च कएल गेल अइछ । आयोगमे पेस कएल गेल पत्रमे मनोनयन दर्ता खर्च १० हजार टका, नमूना मतपत्र सामग्री छपाइमे ६८ हजार १ सओ ६१ टका, यातायात तथा इन्धन खर्च दू लाख ९५ हजार टका, मतदाता प्रशिक्षण खाजा खर्च १४ हजार २ सओ टका, वाडस्तरीय प्रचारप्रसारमे ४६ हजार टका, प्रचारप्रसारके लेल झण्डा आ ब्याच खरिदमे एक लाख १२ हजार टका खर्च भेल अइछ ।

तहिना, प्रचारप्रसारक लेल ब्यानर आ ‘स्टिकर’ खरिदमे ५५ हजार टका, खाद्यान्न तथा रासन खरिदमे एक लाख ९६ हजार टका, हवाई खर्चमे १३ हजार ६ सओ २६ टका आ गोष्ठी भेलामे एक लाख ८० हजार टका खर्च भेल अइछ ।

पार्टीके भरतपुर महानगर सभापति सीता ज्ञवाली खर्च विवरण मङ्गलदिन निर्वाचन आयोगमे पेस केलैन । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय