इनिसा विकके हत्यामे संलग्न दोषीकेँ कड़ा कारबाही करबाक माँग


काठमाण्डू, २८ फागुनः राष्ट्रिय महिला आयोग आ राष्ट्रिय दलित आयोग इनिसा विकके हत्यामे संलग्न दोषीकेँ कड़ा कारबाही करबाक, पीडितकेँ न्याय देबाक आ कानुन कार्यान्वयन करैबला निकायकेँ जवाफदेही बनेबाक लेल सम्बन्धितसभ पक्षसँ आग्रह कएने छैथ ।

दुनु आयोगद्वारा जारी संयुक्तमे घटनाक दोषीकेँ कड़ा कारबाही क पीडितकेँ न्याय देबाक आ पीडित परिवारकेँ सुरक्षा व्यवस्था क उचित क्षतिपूर्ति उपलब्ध करेबाक आग्रह कएने छैथ । सङे आयोग रौतहट आ पर्सा सहित देशक विभिन्न भागमे महिला, दलित आ किशोरीपर भ रहल हिंसा आ विभेदक घटनाक सेहो गम्भीर खोजबिन करबापर जोड़ देने अइछ ।

सुर्खेतस्थित गुर्भाकोट नगरपालिका–६, बडाखोली स्थायी घर भ हाल वीरेन्द्रनगर–१ निवासी १६ वर्षीय इनिसा रैवदिन भोर वीरेन्द्रनगर–४, शहिद पार्क लगमेक जनजागरण सामुदायिक वनमे बेहोस अवस्थामे भेटल छलीह । हुनका प्रहरी प्रदेश अस्पताल कालागाउँमे पहुँचाएल गेलापर चिकित्सक मृत घोषणा कएने छल । मृतकके परिजनसभ सामूहिक बलात्कार भेल कहैत फागुन २५ गते जिला प्रहरी कार्यालय सुर्खेतमे उजुरी देने छल ।

प्रहरीक प्रारम्भिक अनुसन्धानसँ इनिसाक बलात्कारके बाद मृत्यु भेल देखल गेल अइछ । उक्त घटनामे सुर्खेत प्रहरी चाइर गोटकेँ सेहो गिरफ्तार कएने अइछ । राष्ट्रिय दलित नेटवर्क, नेपाल आ पर्यावरणीय लोकतन्त्रक लेल नागरिक अभियानसहित सङ्घसंस्था सेहो घटनाक दोषीकेँ कारबाही करबाक माँग कएने छैथ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय