मधेश प्रदेशक प्रमुखमे डा. सुरेन्द्र लाभके नाम सिफारिस


काठमान्डू । नेपाल सरकार मधेश प्रदेशक प्रदेश प्रमुख सुमित्रा सुवेदी भण्डारीकेँ पदमुक्त करैत डा. सुरेन्द्र लाभकेँ नव प्रदेश प्रमुख रूपेँ नियुक्त कएल गेल अइछ ।

सोम दिन सम्पन्न भेल मन्त्रिपरिषद् बैठकमे भण्डारीकेँ हटब आ डा. लाभकेँ नाम सिफारिस करबाक निर्णय लेल गेल । सरकारक प्रवक्ता तथा सञ्चार, सूचना आ प्रविधि मन्त्री जगदीश खरेल जनौलनि जे, मन्त्रिपरिषद्क निर्णय अनुसार भण्डारीकेँ तत्काल पदसँ पदमुक्त कएल गेल आ डा. लाभकेँ सिफारिस कएल गेल अइछ ।

अर्थशास्त्रमे विद्यावारिधी कएनिहार डा. लाभ राष्ट्रिय योजना आयोगक पूर्व सदस्य रहि चुकल छइथ । ओ शैक्षिक, आर्थिक आ नीतिगत क्षेत्रमे सक्रिय व्यक्तित्व रूपेँ परिचित छइथ। संगे ओ साहित्यिक क्षेत्रमे सेहो चर्चित नाम छइथ ।

सोम दिन भोरमे बर्दिबास स्थित होटल पानसमे नेकपा (एमाले) संसदीय दलक नेता सरोजकुमार यादवकेँ मुख्यमन्त्री नियुक्ति कएल गेल छल । संविधानक धारा १६८(२) अनुसार गठबन्धनक दाबी विचार करबाक अवस्था रहितो, प्रदेश प्रमुख भण्डारी उपधारा (३) क आधार पर यादवकेँ मुख्यमन्त्री बनौने छली ।
एहि निर्णयक बाद मधेश प्रदेशक राजनीतिक दल आ प्रदेशसभा सदस्यसभ तीव्र विरोध व्यक्त केने छइथ । पूर्व प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओलीक नेतृत्ववाला सरकार २०८० फागुन २८ गते भण्डारीकेँ मधेश प्रदेशक प्रदेश प्रमुख रूपेँ सिफारिस कएल गेल छल, आ हुनका द्वारा चैत ५ गते पदभार ग्रहण कएल गेल छल ।

ताजा खबर
लोकप्रिय