रासस/सिन्ह्वा
मनिला, २६ कात्तिकः फिलिपिन्समे दूटा शक्तिशाली चक्रवातक कारण २ सओ ५९ गोटेके मृत्यु भेल अइछ, तँ लाखो नागरिक विस्थापित भेल अइछ ।
राष्ट्रिय विपद् जोखिम न्यूनीकरण तथा व्यवस्थापन परिषद् (एनडीआरआरएमसी) फङ–वङ नामक चक्रवात उत्तर–मध्य लुजोनक कारण कम्तिमे २७ गोटेके मृत्यु भेल अइछ, तँ दू गोटे बेपत्ता अइछ ।
नोभेम्बर–४ मे कालमेगी नामक चक्रवातक कारण मध्य फिलिपिन्समे बाइढ़ आ भूस्खलनके कारण २ सओ ३२ गोटेके मृत्यु भेल छल, तँ १ सओ १२ गोटे बेपत्ता भेल छल । तहिना, ५ सओसँ बेसी घायल भेल अधिकारीसभ बतौनै अइछ ।
चक्रवातक कारण सबसँ बेसी मृत्यु सेबु प्रान्तमे भेल अइछ ।
एजेन्सीके अनुसार चक्रवातक कारण लाखो नागरिकसभ विस्थापित भेल अइछ ।





