राष्ट्रिय सभा सदस्य निर्वाचनक लेल आयोगद्वारा दलसभसँ बातचित


काठमाण्डू, २७ कातिकः निर्वाचन आयोग अइगला माघ ११ गतेके लेल निर्धारित राष्ट्रिय सभा सदस्य निर्वाचनक लेल राजनीतिक दलसभसँ विचारविमर्श केलक अइछ ।

आयोगक कार्यालय कान्तिपथमे आइ भेल विचारविमर्शमे कार्यवाहक प्रमुख निर्वाचन आयुक्त राम प्रसाद भण्डारी, आयुक्त आ राष्ट्रिय मान्यता प्राप्त एवं राष्ट्रिय सभामे प्रतिनिधित्व क रहल नेपाली कांग्रेस, नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (एमाले), नेकपा (माओवादी केन्द्र)लगायत दलक प्रतिनिधि सहभागी छलैन ।

आयोगक सचिव माहादेव पन्थ राष्ट्रिय सभाके निर्वाचनक प्राविधिक तैयारीके विषयमे दलसभसँ परामर्श कएलाक बाद निर्वाचन कार्यक्रम सार्वजनिक कएल जेबाक बतौलैन ।

सभाके सदस्यक पदावधि समाप्त होबएसँ ३५ दिन पहिने निर्वाचन होबाक कानुनी व्यवस्था बमोजिम ई निर्वाचन होबए लागल अइछ । सभाके १९ गोटे सदस्यके कार्यकाल अइगला फागुन २१ गते समाप्त हएत । ओइ मध्ये १८ सदस्यमे निर्वाचन हएत, तँ एक गोटे सदस्य राष्ट्रपतिद्वारा मनोनित कएल जाएत ।

सभाके निर्वाचन मण्डलमे प्रदेश सभाक सदस्य, प्रदेश भीतरके स्थानीय निकायक अध्यक्ष/प्रमुख आ उपाध्यक्ष/उपप्रमुख रहैत अइछ । प्रत्येक प्रदेश सभा सदस्यके मतभार ४८ आ अध्यक्ष/प्रमुख आ उपाध्यक्ष/उपप्रमुखके मत भार १८ रहैत अइछ । रासस
–––

ताजा खबर
लोकप्रिय