काठमाण्डू : नागरिकसभ राष्ट्रिय परिचयपत्रमार्फत अपन विवरण अपने भइर क मतदाता नामावलीमे अपने दर्ता क सकबाक भेल अइछ ।
सामाजिक सञ्जालमार्फत जानकारी दैत प्रधानमन्त्री सुशीला कार्की आब नागरिक अनलाइन प्रणालीेसँ मतदाता नामावलीमे नाम दर्ता करबाक सुविधा सुरू भेल बतौलैन अइछ । उक्त सूचनाअनुसार राष्ट्रिय परिचयपत्र भेल नागरिक निर्वाचन आयोगके वेबसाइटमे प्रि–रजिष्ट्रेशन फारम भरल बाद बायोमेट्रिकके लेल कार्यालय जाए पड़त बाध्यता हटल अइछ । मतदाता दर्ता प्रक्रिया चाइर चरणमे सम्पन्न हएत ।
पहिल चरणमे राष्ट्रिय परिचयपत्रके विवरण मिलान क मतदाता परिचयपत्रसङे जोड़ैबला प्रक्रिया सुरू हएत । दोसर चरणमे देखाएल विवरण पुनःजाँच क त्रुटिके सुधारबाक व्यवस्था कएल गेल अइछ । तेसर चरणमे मतदानस्थल छनाैट तथा नयाँ बसोबास वा विआहक कारण ठेगाना परिवर्तन भेलापर आवश्यक कागजात अपलोड कएल जाएत । चारिम चरणमे सब विवरण अन्तिम बेर जाँच क फारम अनलाइनमार्फत पेश कएलाक बाद मतदाता नामावली दर्ता प्रक्रिया पूरा हएत ।(रासस)






