काठमाण्डू, ३० कातिकः चालु आर्थिक वर्षके चाइर महिना बितलाक बादो मधेश प्रदेशक २४ स्थानीय तह बजेटबिहीन अइछ । देशभैर अखनधैर जमा सात सओ २८ स्थानीय तह बजेट प्रस्तुत कएलाक बादो २५ स्थानीय तह बजेट सार्वजनिक नै कएने अइछ ।
हरेक वर्षके जेठ १५ गते सङ्घीय सरकार, अखार १ गते प्रदेश सरकार आ अखार १० गते स्थानीय तहके बजेट प्रस्तुत करबाक संवैधानिक व्यवस्था अइछ । चालु आर्थिक वर्षके एक चौमासिक बितलाक बादो मधेश प्रदेशक एक सओ ३६ स्थानीय तहमध्ये एक सओ १२ स्थानीय तह बजेट प्रस्तुत कएने अइछ । मुदा, २४ स्थानीय तह बजेट प्रस्तुत नै कएने अइछ ।
सङ्घीय मामिला तथा सामान्य प्रशासन मन्त्रालयके अनुसार सप्तरीके राजविराज नगरपालिका, अग्नीसाइर कृष्णासवरण गाउँपालिका, बलान बिहुन गाउँपालिका, कल्याणपुर नगरपालिका बजेट प्रस्तुत नै कएने अइछ ।
तहिना, सिरहाके धनगढीमाई नगरपालिका, सुखीपुर नगरपालिका, धनुषाके क्षिरेश्वरनाथ नगरपालिका, नगराइन नगरपालिका, औरही गाउँपालिका, कमला नगरपालिका, जनकनन्दिनी गाउँपालिका, धनौजी गाउँपालिका चालु आर्थिक वर्षके बजेट प्रस्तुत नै कएने अइछ ।
महोत्तरीके सोनमा गाउँपालिका, सर्लाहीके मलङ्गवा नगरपालिका, हरिवन नगरपालिका, चन्द्रनगर गाउँपालिका तथा रामनगर गाउँपालिका, रौतहटके कटहरिया नगरपालिका, देवाही गोनाही नगरपालिका, फतुवा विजयपुर नगरपालिका, यमुनामाइ गाउँपालिका, बाराके महागढीमाई नगरपालिका, विश्रामपुर गाउँपालिका आ पर्साके पकाहा मैनपुर गाउँपालिका चालु आर्थिक वर्षके बजेट अखनधैर प्रस्तुत नै कएने अइछ । तहिना, लुम्बिनी प्रदेशके शुद्धोधन गाउँपालिका सेहो अखनधैर चालु आर्थिक वर्षके बजेट प्रस्तुत नै कएने अइछ । (रासस) File Pic. Agnisair Kris





