धोती फटे तो फटे मगर पोजिशन ना घटे


नित्यानन्द मण्डल

कहल जाइत अछि जे एक वित्ता ल मधेश कए कित्ता बेच दैत छै । धोती फटे तो फटे मगर पोजिशन ना घटे । एहन समाजमे हमरालोकनि जिवि रहल छी । अविश्वासक अन्हरियामे कतबो अदालत घेराएल किएक नहि रहौक मगर लोकक अन्तिम उपाय, भरोस त अदालत पर करिही परैत छैक ।

पहिने मधेश खुनखराबा, लैण्ड एण्ड पोण्डक मुद्दा मामिला झेलैत आवि रहल छल । एम्हर आविक महिला हिंसा, डिभोर्स, विद्यालय आदि मुद्दा लडि रहल मधेश एक हप्तासँ संसदीय राजनीतिक अभ्यासक क्रममे देखल गेल प्रतिशोध सम्बन्धी, संवैद्यानिक जटिलता, अडचन सम्बन्धी मुद्दा मामिला खेपि रहल अछि ।

खैर जे होइक कनेक दूरुह, घृणास्पद, हस्यासपद काज त जरुर भेल अछि मगर अदालती एही अभ्याससँ मधेश मझा रहल अछि, ठोस रुप ग्रहण क रहल अछि । लोकतान्त्रिक संस्कार आ संसदीय राजनीतिक अभ्यास अदालत धरि क रहल अछि, एहिसँ संघियता जरुर मजबुत हएत । नहि त एहिसँ पहिने प्रदेशसँ बनल कानून सभके ल क अदालतसभमे बहुत कम संख्यामे बहस, पैरवी, फैसला, आदेश, परमादेश सभ होइत आएल अछि, ई एकटा नीक संकेत अछि । facebook

ताजा खबर
लोकप्रिय