सिरहा, ६ अगहन: भौतिक पूर्वाधार तथा यातायातमन्त्री कुलमान घिसिङक स्थलगत निरीक्षण आ निर्देशनक बाद धनुषा आ सिरहाकेँ जोड़ैबला कमलाके अधुरा पुल तीन महिनाके भीतर सम्पन्न करबाक प्रतिबद्धता निर्माण कम्पनी जनाैलक अइछ।
तराई/मधेशक लाइफ लाइन मानल जाएबला हुलाकी राजमार्गक अन्तर्गत ई पुल २०६८ सालमे तीन वर्षक भीतर समाप्त करबाक लेल सम्झौता भेल छल, मुदा १४ वर्ष बीत गेलाक बादो ई अधुरे छल। मन्त्री घिसिङ शुक्रदिन पुल निर्माण स्थलक निरीक्षण करैत स्थानीय लोक वर्षौसँ भोगैत आइब रहल जोखिम, समस्या आ असुरक्षाकेँ नजदीकसँ अनुभव केलैन। ओ स्वयं नाहपर चइढ़ क नदी पार करैत स्थानीय लोकके दैनिक कष्टकेँ प्रत्यक्ष अनुभव केलैन।
निरीक्षणके बाद मन्त्री घिसिङ आइ सामाजिक सञ्जालमे लिखैत अपन मन भारी भेल कहलैन। ओ आगू लिखलैन, “वि.सं. २०६८ क जेठमे तीन वर्षमे बनाएल जेबापर ठिक्का सम्झौता सहित सुरू कएल गेल ई पुल आइधैर अधुरे अइछ आ सबसँ बेसी दिक्कत स्थानीय निवासीकेँ भ रहल अइछ,” “अनुगमनक क्रममे स्थानीय निवासीद्वारा भोगल जाएबला दैनिक सास्ती, जोखिम आ आक्रोश प्रत्यक्षसँ मन भारी भ गेल। स्थानीय लोकके वर्षौसँ भ रहल समस्या कते चुनौतीपूर्ण छै, से गहीर अनुभूति कएलाैँ।”
ओ जानकारी देलैन जे स्थानीय लोकके तत्काल आवागमन सहज बनेबाक लेल अस्थायी विकल्पक बारेमे सेहो विस्तृत बातचित भेल अइछ आ आवश्यक प्रक्रिया आगू बढ़ाएल जाएत। सङ्गे, प्राविधिक पक्षमे उठल प्रश्नक बारेमे सम्बन्धित निकाय जिमेवार हएत आ मन्त्री स्तरीय अनुगमन लगातार चलैत रहत, से स्पष्ट केलैन।
पुल निर्माणके जिमेवारी लेनिहार निर्माण कम्पनी लुम्बिनी बिल्डर्सक सञ्चालक विष्णुप्रसाद शर्मा मन्त्रीकेँ तीन महिनाके भीतर पुलक काज समाप्त क एकरा सञ्चालनमे आनबाक प्रतिबद्धता व्यक्त कएने छैथ। स्थलगत निरीक्षणक क्रममे ओ कहलैन, “हम मन्त्री जीकेँ तीन महिनाके भीतर पुल समाप्त क सञ्चालनमे आनबाक प्रतिबद्धता व्यक्त करैत छी।”
वि.सं. २०६८मे तीन वर्षक भीतर पुल निर्माण क लेबाक सम्झौता भेल छल। मुदा, बेर-बेर म्याद बढ़ा क १३ वर्ष बीति गेलाक बादो पुल निर्माणक काज अधुर अइछ। पप्पु कन्ट्रक्सन तीन वर्षमे निर्माण करैबला पुलकेँ अधुरा छोइड़ देलाक बाद पप्पु ब्लाकलिस्टमे देल गेल छल। बाँकी काज लुम्बिनी बिल्डर्स क रहल छल।
वि.सं. २०७८ अखार १७ क बाइढ़क कारण पुलक दू टा जग धँइस गेलाक कारण क्षति भेल छल। कूल ४६९ मीटर लम्बाईक ई पुलक ८३ प्रतिशत भौतिक प्रगति आ ८२ प्रतिशत वित्तीय प्रगति भेल अइछ। पुल निर्माणक सम्झौता एखन नअम म्याद बढ़ाबक प्रक्रियामे अइछ।
शुक्रदिन स्थलगत अनुगमन टोलीमे मन्त्री घिसिङ सङ्ग युवा तथा खेलकुदमन्त्री बब्लु गुप्ता, भौतिक पूर्वाधार तथा यातायात मन्त्रालयक सचिव केशव कुमार शर्मा, सड़क विभागक महानिर्देशक विजय जैशी, हुलाकी राजमार्ग निर्देशनालय, योजना कार्यालय जनकपुरक प्रमुख कृष्ण कुमार महतो, जेनजी अगुवासभ सुदन गुरुङ, शिव यादव, पुरषोत्तम यादव सहितक समूह सहभागी छल।
कमला नदीक ई पुल मधेश प्रदेशक यातायात सुगमता, सुरक्षा आ आर्थिक विकासक लेल अत्यन्त महत्त्वपूर्ण मानल जाइत अइछ। मन्त्रालय एखन नियमित अनुगमन, सहजीकरण आ आवश्यक सहयोग करैत काजकेँ समयपर सम्पन्न करबाक प्रतिबद्धता जतौलक अइछ। (रासस)





