काठमाण्डू, १० अगहनः दृष्टिविहीन महिला टी–२० विश्व कपमे उपविजेता भेल नेपाली क्रिकेट टोलीकेँ नेपाल क्रिकेट सङ्घ(क्यान) टकासहित सम्मान केलक अइछ ।
त्रिभुवन विश्वविद्यालय क्रिकेट रङ्गशालामे मङ्गलदिन एक कार्यक्रमक आयोजन क क्यान टोलीकेँ १० लाख टकासहित सम्मान कएने अइछ । दृष्टिविहीन महिला टोली ऐतिहासिक उपलब्धी आ नेपाली क्रिकेटक गौरव बढ़ौने कहैत क्यानद्वारा सम्मान कएल गेल अइछ ।
सम्मान कार्यक्रममे नेपाल क्रिकेट सङ्घक सचिव पारस खड्कालगायतक उपस्थिति छलैन । श्रीलङ्कामे भेल दृष्टिविहीन महिला टी–२० विश्व कपके फाइनलमो नेपाल भारतसँ पराजीत भेल छल । (रासस)





