इन्डोनेसियामे बाइढ़क कारण ८४ गोटेके मृत्यु


रासस/एएफपी
मेडन(इन्डोनेसिया), १२ अगहनः इन्डोनेसियाके सुमात्रा टापुमे आएल बाइढ़ आ भुस्खलनके कारण कम्तिमे ८४ गोटेके मृत्यु भेल अइछ ।

इन्डोनेसियाके पड़ोसी देश मलेसिया आ थाइल्यान्डमे सेहो वर्षाके कारण उत्पन्न विपद्सँ अइ क्षेत्रमे बेसी क्षति भेल अधिकारीसभ बतौलक अइछ । उत्तरी सुमात्रामे आइधैर ६२ गोटेके मृत्यु भेल अइछ, तँ ९५ गोटे घायल भेल स्थानीय प्रहरी प्रवक्ता फेरी वालिन्टुकान बतौलैन ।

बाइढ़क कारण वेपत्ता भेल ६५ गोटेके खोज तलास भ रहल प्रवक्ता फेरीकेँ उद्धृत करैत एएफपी जनौने अइछ । स्थानीय विपद् एजेन्सीके अनुसार पश्चिम सुमात्रामे कम्तीमे २२ गोटेके मृत्यु भेल अइछ, तँ १२ गोटे बेपत्ता अइछ ।

उत्तरी सुमात्राके अधिकारीसभ “निकासी आ सहायता प्रदान करबाक काजमे केन्द्रित भेल प्रहरी प्रवक्ता वालिन्टुकान बतौलैन । उत्तरी सुमात्राके किछ क्षेत्रसभमे संचारक पहुँच विच्छेद भेल सेहो ओ बतौैलैन । सबसँ बेसी प्रभावित सहर सिबोल्गामे ३० गोटेसँ बेसीके मृत्यु भेल ओ जानकारी देलैन । पश्चिम सुमात्रामे २२ गोटेके मृत्यु भेल आ वेपत्ता भेल १२ गोटेके खोजी भ रहल स्थानीय विपद् एजेन्सीके प्रमुख अब्दुल मलिककेँ उद्धृत करैत एएफपी जनौने अइछ ।

वर्षासँ इन्डोनेसियाके पश्चिमी प्रान्त आचेमे सेहो बाइढ़ आएल आ भुस्खलन भेलाक बाद एक हजार ५ सओ नागरिककेँ सुरक्षित स्थानमे राखल गेल स्थानीय विपद् एजेन्सी जनौने अइछ । एएफपीके अनुसार प्रान्तके किछ भागसभमे बिजुली सेवा बन्द कएल गेल अइछ । मध्य जाभामे वर्षाक बाद भेल भुस्खलनके कारण कम्तीमे ३८ गोटेके मृत्यु भेल अइछ, तँ करिब १३ गोटे बेपत्ता भेल अइछ ।

ताजा खबर
लोकप्रिय