इन्डोनेशियामे बाइढ़ आ भुस्खलनसँ ५ सओ २ गोटेक मृत्यु


रासस/सिन्ह्वा
जाकार्ता, १५ मङ्सिरः इन्डोनेशियाके सुमात्रा टापुके तीन प्रान्तमे आएल बाइढ़ आ भुस्खलनके कारण ५ सओ २ गोटेक मृत्यु भेल अइछ, तँ ५ सओ ८ गोटे अखनो बेपत्ता रहल इन्डोनेशियाके राष्ट्रिय दैवी प्रकोप व्यवस्थापन निकाय जनौलक अइछ ।

सोमदिन निकाय देने जानकारी अनुसार उद्धारक काज प्रभावित क्षेत्रमे तीव्र गतिमे भ रहल अइछ । उत्तर सुमात्रा, पश्चिम सुमात्रा आ अचेह प्रान्तमे आएल विनाशकारी बाइढ़क कारण करिब पाँच लाख ५० हजार नागरिक विस्थापित भेल उल्लेख कएल गेल अइछ ।

सड़क अवरुद्ध भेल अइछ, तँ संचार सेहो अवरुद्ध भेलासँ किछ प्रभावित क्षेत्रमे जेबाक लेल समस्या भ रहल आ बचाउ तथा राहत सामग्री मुख्य रुपमे हवाई माध्यमसँ पहुँचेबाक अवस्था उत्पन्न भेल निकाय जनौने अइछ ।

सोमदिन इन्डोनेशियाके राष्ट्रपति प्राबोवो सुबियान्तो सरकारक उद्धार तथा राहत प्रयाससभ पूर्ण क्षमतासहित आगु बढ़ाएल गेल बतौलैन ।

इन्डोनेशियाकेँ जलवायु परिवर्तनक चुनौतीसभकेँ प्रभावकारी रुपमे सामना करए पैर रहल आ स्थानीय सरकारसभकेँ वातावरण संरक्षण तथा आबैबला मौसमी घटनाके तैयारीके लेल अखनो महत्त्वपूर्ण भूमिका निर्वाह करबाक आवश्यकतापर ओ जोड़ देलैन ।

ताजा खबर
लोकप्रिय