काठमाण्डू, १६ अगहनः आबैबला प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचनक लेल समानुपातिक प्रणालीदिसके निर्वाचन कार्यक्रम इएह अगहन २० गतेसँ सुरु हाेबए लागल अइछ ।
आयोग रैबदिनसँ समानुपातिक निर्वाचन प्रणालीदिसक लेल निर्वाचन अधिकृतके कार्यालय आयोगक कान्तिपथस्थित कार्यालयमे स्थापना कएलाक बाद कार्यक्रमक तैयारी सुरु भेल अइछ । निर्वाचन आयोगद्वारा स्वीकृत निर्वाचन कार्यक्रम अनुसार अगहन २१ गते भोर १० बजेसँ २३ गते दुपहर ४ बजेधैर समानुपातिक प्रणालीमे भाग लेबाक लेल इच्छुक राजनीतिक दल निवेदन पेस क सकत ।
अगहन २४ गते भोर १० बजेसँ दुपहर ४ बजधैर निवेदन पेस करैबला राजनीतिक दलके नामावली प्रकाशन कएल जाएत । अइगला पुस १३ आ १४ गते उमेदारके बन्दसूची पेस करबाक आ माघ २० गते उमेदवारसभक बन्द सूची प्रकाशन कएल जाएत ।
समानुपातिक निर्वाचन प्रणालीदिस निर्वाचन अधिकृतक कार्यालयके कार्यवाहक प्रमुख निर्वाचन आयुक्त रामप्रसाद भण्डारी उद्घाटन कलैन ।
समानुपातिकदिसक निर्वाचन अधिकृतके रुपमे आयोगक सचिव महादेव पन्थ आ सहायक निर्वाचन अधिकृतके रुपमे सहसचिव यज्ञ प्रसाद भट्टराई जिमेवारी बहन केलैन । समानुपातिक निर्वाचन व्यवस्थापनक लेल ४१ गाेटे कर्मचारी खटाओल जाएत । कार्यवाहक प्रमुख निर्वाचन आयुक्त भण्डारी सूत्रात्मक पद्धतिसँ राष्ट्रिय तथ्याङ्क कार्यालयके सहयोगमे कानुन बमोजिमके जातीय, भौगोलिक, लैङ्गिकलगायतक समूह अलग क प्रतिनिधि चयन कएल जेबाक कारण सब पक्षके भरोसा रहबाक विश्वास व्यक्त केलैन ।
विद्यमान कानुन अनुसार प्रतिनिधि सभाके २ सओ ७५ सदस्यके प्रत्यक्ष आ समानुपातिकसहित दू प्रणालीसँ निर्वाचन हएत । सभामे १ सओ ६५ सदस्यके प्रत्यक्ष आ बाँकी १ सओ १० सदस्यके चयन समानुपातिक प्रतिनिधित्वद्वारा कएल जाएत । निर्वाचनक लेल पहिल होएबला निर्वाचित (प्रत्यक्ष) प्रणालीदिस अइगला माघ ६ गते सम्बन्धित निर्वाचन अधिकृतके कार्यालयमे उमेदवारी मनोनयनके कार्यक्रम निर्धारण कएल गेल अइछ ।
रैबदिन नेपाल सरकारक अर्थमन्त्री रामेश्वर प्रसाद खनाल आ कानुनमन्त्री अनिल कुमार सिन्हा निर्वाचन आयोगमे कार्यवाहक प्रमुख निर्वाचन आयुक्त आ आयुक्तसभसँ निर्वाचनक पूर्व तैयारीके अवस्था आ आबैबला दिनमे निर्वाचन सम्पन्न करबाक लेल नेपाल सरकार आयोगकेँ उपलब्ध करेबाक सहयोगक विषयमे परामर्श कएने छलैन । (रासस)





