एनपिएलः जनकपुर बोल्ट्सके पहिल जीत


काठमाण्डू, १६ अगहनः राजधानीमे चइल रहल दोसर संस्करणक नेपाल प्रिमियर लिग (एनपिएल) क अन्तर्गत आइ पहिल खेलमे साबिक विजेता जनकपुर बोल्ट्स विजयी भेल अइछ । जनकपुर चितवन राइनोजकेँ ६ विकेटसँ हरेलक अइछ ।

ई जनकपुरक पहिल जीत अइछ । अइसँ पहिने लगातार चाइर खेलमे हारल जनकपुर आइ दू अंक जोड़लक । चितवन मुदा पाँच खेलमे दू खेल मात्र जीतल अइछ । जीतके लेल १७७ रनके १७.३ ओभरमे चाइर विकेटके क्षतिमे पूरा केलक। एहिमे माज सदाकत आ अनिल साह उत्कृष्ट ब्याटिङ करैत अर्धशतक जोड़लैथ । माज ६३ आ अनिल ६१ रन बनौलैन ।

बलिङमे चितवनके कमलसिंह ऐरी, साहिल तनवीर आ अमरसिंह रौटेला एक-एक विकेट लेलक । एकर पहिने त्रिभुवन विश्वविद्यालय अन्तर्राष्ट्रीय क्रिकेट रङ्गशाला, कीर्तिपुरमे चितवन टस जीत क पहिने ब्याटिङ कएने छल। जाहिमे निर्धारित २० ओभरमे चाइर विकेटक क्षतिमे १७६ रन बनौलक । जाहिमे ओपनरद्वय डेविड मलान आ अर्जुन साँउद अर्धशतक लगौलैथ । मलान ८० आ अर्जुन ५२ रनक योगदान केलैथ । ई दुनू ब्याटरक बीचमे ११२ रनक शतकीय साझेदारी सेहो भेल ।

जनकपुरक अनिल शाह, रूपेश सिंह, माज सदाकत आ जान निकोल लोफ्टी–इटन एक-एक विकेट लेलक ।

अनिलक अर्धशतक
जनकपुर बोल्ट्सक ब्याटर अनिल साह आजुक खेलमे अर्धशतक बनौलक अइछ । चइल रहल प्रतियोगितामे अर्धशतक लगौनिहार ओ २१म खेलाड़ी छैथ ।

चितवन राइनोज विरुद्ध ओ २८ बलमे तीन छक्का आ दू चौकाक मदतसँ अर्धशतक पूरा केलैथ । दोसर संस्करणक एनपिएलमे एखनधैर २५ अर्धशतक लागल अइछ । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय