सिरहा । हुलाकी सड़कअन्तर्गत सिरहा आ धनुषा जोड़ैबला कमला नदीमे तत्काल आवतजावतकेँ सहज बनेबाक लेल अस्थायी ‘डाइभर्सन’ निर्माणक तैयारी सुरु भेल अइछ ।
हुलाकी सड़क निर्देशनालयअन्तर्गतके योजना कार्यालय जनकपुर रैबदिन डाइभर्सन सड़क निर्माणक लेल ठेकासम्बन्धी सूचना प्रकाशित कएने अइछ । कार्यालयके प्रमुख कृष्ण कुमार महतोके कहब अनुसार एक करोड़ २४ लाख ८५ हजार टकाके लागतमे सिरहाके बसविट्टाघाट आ कमला नदीकेँ जोड़ैजँका ५५ मिटर लम्बाइ आ १० मिटर चौड़ाइके अस्थायी ‘डाइभर्सन’ निर्माण करबाक तैयारी अइछ । आकस्मिक कार्यअन्तर्गत आह्वान कएल गेल ठेकाअनुसार एक महिना भीतर काज सम्पन्न करबाक लेल सूचनामे कहल गेल अइछ ।
वितल १४ सालसँ पक्की पुल निर्माणाधीन अवस्थामे अइछ । अखन स्थानीय युवाद्वारा बनाएल गेल काठक पुल आ नदीमे नाउके माध्यमसँ जोखिमपूर्ण यात्रा करबाक लेल नागरिक बाध्य अइछ ।
इएह अगहन ५ गते भौतिक पूर्वाधार तथा यातायातमन्त्री कुलमान घिसिङ पुलके निरीक्षणक क्रममे तत्काल अस्थायी प्रकृतिके डाइभर्सन बनेबाक प्रतिबद्धता व्यक्त कएने छलैन ।
मन्त्री घिसिङके निर्देशनक बाद पुल निर्माणके जिमेवारी लेने लुम्बिनी बिल्डर्सके संचालक विष्णु प्रसाद शर्मा मन्त्रीसमक्ष पूरा नै भेल पुल तीन महिना भीतर सम्पन्न क संचालनमे आनबाक प्रतिबद्धता व्यक्त कएने छलैन ।
वि.सं. २०६८ जेठमे तीन सालमे सम्पन्न करैजँका निर्माण सुरु भेल ई पुल १४ साल बितलाक बादो पू्रा नै भेल अइछ । वि.सं. २०७८ अखार १७ गते कमलाके बाइढ़सँ क्षतिग्रस्त भेल पुलक निर्माण संझौताके ९म बेर समय बढ़ेबाक प्रक्रियामे अइछ ।
नाउसँ नदी आरपार कएलासँ बेसी जोखिम बढ़लाक कारण पक्की पुल पुनर्निर्माण क संचालनमे नै होबएधैर डाइभर्सनसँ राहत प्रदान करबाक योजना अइछ । रासस





