जनकपुर, १७ अगहन : मधेश प्रदेशक मुख्यमन्त्री सरोज कुमार यादव प्रदेशप्रमुख सुरेन्द्र लाभ कर्णके समक्ष देल राजीनामा स्वीकृत भेल अइछ ।
आइ प्रदेश प्रमुखक कार्यालयसँ जारी कएल गेल विज्ञप्तिमे कहल गेल अइछ, “नेपालक संविधानक धारा १६९ उपधारा (१) क खण्ड (क) क अनुसार मुख्यमन्त्री पदसँ देल गेल राजीनामा आइ प्रदेश प्रमुख स्वीकृत क देलैन ।”
प्रदेश प्रमुख कार्यालयक निमित्त सचिव शत्रुधन यादवद्वारा जारी कएल गेल विज्ञप्तिमे नेपालक संविधानक धारा १६९ क उपधारा (३) क बमोजिम दोसर व्यवस्था नै भेलाधैर मौजुदा मन्त्रिपरिषद्केँ प्रदेशक मन्त्रिपरिषद्क कार्यभार सञ्चालन करबाक लेल तोकल गेल व्यहोरा उल्लेख अइछ । रासस





