महिला टि–२० विश्वकपः क्वालिफायर खेलैबला प्रारम्भिक नेपाली टोलीक घोषणा


काठमाण्डू, १८ अगहनः आइसिसी महिला टि–२० विश्वकपके ग्लोबल क्वालिफायर खेलैबला नेपालक प्रारम्भिक टोलीके घोषणा कएल गेल अइछ । नेपाल क्रिकेट सङ्घ (क्यान) आइ २६ सदस्यीय महिला क्रिकेटक प्रारम्भिक टोली घोषणा कएने अइछ ।

उक्त टोलीमे इन्दु बर्मा, राजमती ऐरी, सिता राना मगर, सम्झना खड्का, कविता जोशी, रिया शर्मा, सोमु विष्ट, रचना चौधरी, रुबी पोदार, पूजा महतो, कविता कुँवर, रुबिना क्षेत्री, साना प्रविन, अलिशा यादव, इश्वरी विष्ट, रोमा थापा, सोनी पाख्रिन, बिन्दु रावल, लक्ष्मी साउद, मनिषा उपाध्याय, सीमाना केसी, अनु कडायत, काजोल श्रेष्ठ, किरण कुँवर, अस्मिना कर्माचार्य आ ममता चौधरी रहल क्यान जनौने अइछ ।

टोली शुक्रदिनसँ मूलपानी क्रिकेट मैदानमे बन्द प्रशिक्षण सुरु करत । बन्द प्रशिक्षणक बाद नेपालक अन्तिम टोलीके घोषणा कएल जाएत । आबैबला जनवरी १२ सँ फरवरी १ धैर नेपालमे आयोजन होए लागल ग्लोबल क्वालिफायरमे १० देश सहभागी हएत । ओइमध्ये शीर्ष चाइर देश इङल्याण्डमे सन् २०२६ के जुनमे होएबला महिला टि–२० विश्वकपमे छनौट हएत ।

ग्लोबल क्वालिफायरके समूह ‘ए’ मे आयरल्याण्ड, स्कटल्याण्ड, थाइल्याण्ड, अमेरिका आ जिम्बाबे अइछ, तँ समूह ‘बी’ मे नेपालसहित बङ्गलादेश, नामिबिया, नेदरल्याण्ड आ पपुवा न्यूगिनी अइछ । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय