एमाले महाधिवेशनमे विद्युतीय भोटिङ मसिनक प्रयोग हएत


काठमाण्डू, १८ अगहनः नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (एमाले)क ११म राष्ट्रिय महाधिवेशनमे नेतृत्व चुनबाक लेल विद्युतीय भोटिङ मसिनक प्रयोग करबाक तैयारी अइछ ।

एमाले उपमहासचिव प्रदीप ज्ञवाली नेतृत्व चयन प्रक्रिया जल्दी होए तइ लेल अइ बेर सेहो विद्युतीय भोटिङ मेसिन प्रयोग कएल जेबाक बतौलैन । अइसँ पहिने चितवनमे भेल १०म राष्ट्रिय महाधिवेशनमे सेहो एमाले विद्युतीय भोटिङ मसिनक प्रयोग कएने छल ।

“हमसभ नेतृत्व चयनक लेल विद्युतीय भोटिङ मसिन प्रयोग करबाक निर्णय कएने छी” ओ कहलैन, “टेण्डर आह्वान भ गेल छै । जल्दी कोन कम्पनीके जिमेवारी देल जाए से निर्णय हएत ।”

महाधिवेशनसँ अइ बेर एमालेमे १५ पदाधिकारीसहित २ सओ ५१ गोटे केन्द्रीय कमिटी चयन कएल जाएत । बितल भादबमे सम्पन्न दोसर विधान महाधिवेशनसँ पारित विधान संशोधन प्रस्ताव केन्द्रीय कमिटी सङ्ख्या घटाएल गेल छल । एमाले महाधिवेशनमे करिब दू हजार २ सओ प्रतिनिधि सहभागी हएत ।

एमाले महाधिवेशन इएह अगहन २७ गतेसँ २९ गतेधैर काठमाण्डू होबए लागल अइछ । महाधिवेशनके बन्द सत्र भृकुटीमण्डपमे होबाक बताओल गेल अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय