एनपिएलमे पहिल ‘ह्याट्रिक’ लेनिहार ‘बलर’ शाहब


काठमाण्डू, १८ अगहनः नेपाल प्रिमियर लिग (एनपिएल)मे काठमाण्डू गोर्खाजके शाहब आलम ‘ह्याट्रिक’ लेनिहार पहिल खेलाड़ी बनल छैथ । आइ पोखरा एभेञ्जर्सविरुद्ध ओ ह्याट्रिकसहित ६ ‘विकेट’ लेलक । ओ एनपिएलके एके खेलमे सबसँ बेसी विकेट लेनिहार खेलाड़ी सेहो बनल ।

शाहब चाइर ओभरके ‘बलिङ’ मे २५ ‘रन’ दैत छ विकेट लेलक । ओ चाइर दशमलव तीन ‘ओभर’मे जेसन रोयकेँ ‘आउट’ करैत पहिने विकेट लेने छल तँ दोसर विकेट १७ दशमलव चाइर ओभरमे किरण ठगुन्नाके लेने छल ।

अन्तिम ओभरमे चितवनकेँ जीतक लेल २० रन आवश्यक छल । ओ पहिल बलमे ऋषि धवनकेँ मिलिन्द कुमारमार्फत ‘क्याच आउट’ करेलक । शाहब दोसर बलमे विपिन खत्रीकेँ ‘स्टमपिङ आउट’, तेसर बलमे आकाश चन्दकेँ मिलिन्द कुमारमार्फत ‘क्याच आउट’ करेलक । शाहब ओभरके अन्तिम बलमे सागर ढकालके विकेट लेलक ।

अइसँ पहिने एके खलेमे सबसँ बेसी विकेट लेनिहार चितवन राइनोजके रञ्जित कुमार छल । ओ विराटनगर किंग्ससङके खेलमे चाइर ओभर बलिङ करैत २१ रन दैत पाँच विकेट लेने छल । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय