अफगानिस्तान–पाकिस्तान सीमामे झडप: चाइर गोटेक मृत्यु


कान्दाहार (अफगानिस्तान) ।
अक्टोबरमे भेल घातक झडपके बादक पछिला पाकिस्तान–अफगानिस्तानक मुख्य सीमामे भेल गोलीबारीमे चाइर गोट सर्वसाधारण क मृत्यु भेल अफगान अधिकारी अब्दुल करिम जहाद शैनदिन जानकारी देलक अइछ।

गोलाबारीमे अन्य चाइर गोट घायल भेल, दक्षिणी अफगानिस्तानक स्पिन बोल्डक जिला क गभर्नरसमेत रहल जहादकेँ उद्धृत करैत एएफपी जनाएल अइछ।

पाकिस्तानी सीमावर्ती शहर चमन क स्थानीय अस्पतालमे झडप क क्रममे घायल भ इलाजरत चाइर गोटकेँ डिस्चार्ज कएल गेल अइछ, से कहल गेल अइछ।

अक्टोबर क झडप क बाद सहमति भेल युद्धविराम क बादो चमन आ स्पिन बोल्डक क बीचक सीमापर अप्रत्यासित आक्रमण करबाक आरोप दुनू पक्ष एक दोसरपर लगौलक अइछ।

“किछु समय पहिने अफगान तालिबान सीमापर बिना कारण गोलीबारी केलक”, पाकिस्तानक प्रधानमन्त्रीक प्रवक्ता मुशर्रफ जैदी सामाजिक सञ्जाल एक्स मार्फत जनाओलैन। सीमाक अफगान पक्ष क बासीसभकेँ उल्लेख करैत एएफपी शुक्रदिन राइत १०ः३० बजेसँ लगभग दू घण्टा गोलाबारी भेल जनाएल गेल अइछ।
कान्दाहार क सूचना विभाग क प्रमुख अली मोहम्मद हक्कमल पाकिस्तानी सेना सामान्य आक्रमण केलक आ नागरिक घरसभपर मोर्टार फायर कएने बतौलैन। (रासस/एएफपी) Pic. AI Generated

ताजा खबर
धेरै पढिएको