सिरहा, २४ अहगनः अइगला फागुन २१ गते होएबला प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचनक लेल नेपाली कांग्रेस सिरहा जिलाक चारु निर्वाचन क्षेत्रसँ प्रत्यक्ष, समानुपातिक तथा राष्ट्रिय सभा सदस्यके लेल उमेदवारक नाम सिफारिस प्रक्रिया पूरा केलक अइछ ।
जिलाभैरके क्षेत्रीय समितिसभसँ प्राप्त प्रस्तावकेँ समैट क कांग्रेस अनुभवी नेता, पूर्वमन्त्रीसँ नयाँ पुस्ताक प्रतिनिधिके नाम सिफारिस कएने जिला सभापति रामचन्द्र यादव जानकारी देलैन ।
सिरहा क्षेत्र नम्बर १ सँ प्रत्यक्षदिस पूर्वमन्त्री पद्म नारायण चौधरी आ राम सुन्दर चौधरी सिफारिस भेल छैथ । समानुपातिकदिस उषा राउत, सूर्य नारायण यादव, परमेश्वर साह, श्रीचन पासमान आ श्रमिला पोखरेलक नाम प्रस्तावित कएल गेल अइछ ।
क्षेत्र नम्बर २ मे प्रत्यक्षदिस कांग्रेसक जिला सभापति रामचन्द्र यादव सिफारिस भेल छैन । समानुपातिकदिस पूर्वमन्त्री तथा अष्ट्रेलियाके राजदूत चित्रलेखा यादवके नाम अग्रस्थानमे अइछ । राष्ट्रिय सभा सदस्यके लेल अमिय कुमार यादवके नाम सर्वसम्मतसँ सिफारिस कएल गेल अइछ ।
क्षेत्र नम्बर ३ मे प्रत्यक्षदिस पूर्वमन्त्री तथा कांग्रेसक पूर्वकोषाध्यक्ष सीतादेवी यादव आ हुनक बेटा डा. सुभाष चन्द्र यादव सिफारिस भेल छैथ । समानुपातिक सूचीमे अमर रेग्मी, जिवछ गुप्ता आ जगतारैन कामतीके नाम समावेश कएल गेल क्षेत्रीय सभापति सञ्जय प्रकाश यादव जानकारी देलैन ।
तहिना, क्षेत्र नम्बर ४ मे प्रत्यक्षदिस हज समितिक अध्यक्ष मोहम्मद मुक्तार अहमद, मन्जु खाँड (पूर्वगृहमन्त्री बालकृष्ण खाँडके कनिया) आ डा. गणेश मण्डल सिफारिस भेल छैन । समानुपातिकदिस अरुण कुमार सिंह, राम एकवाल यादव, नागेश्वर भुडेर आ रमेश न्यौपानेके नाम प्रस्तावित कएल गेल अइछ । चारु निर्वाचन क्षेत्रसँ प्रत्यक्ष, समानुपातिक आ राष्ट्रिय सभा सदस्यके उमेदवारसभक नाम आधिकारिक रुपमे सिफारिस भेल कांग्रेस सिरहा जनौलक अइछ । (रासस)





