जलेश्वर (महोत्तरी), २४ अगहनः पूर्व–पश्चिम राजमार्ग विस्तारक लेल महोत्तरी जिलामे ६ हजार २७ गाछ काटल जाएत ।
पूर्व–पश्चिम राजमार्ग विस्तारअन्तर्गत कमला–ढल्केवर–पथलैया सड़क पूर्वीखण्ड आयोजनाक प्रमुख राजेश कुमार दासक कहब अनुसार विभिन्न समस्या आ चुनौती बीच लम्बा समयपश्चात् डिभिजन वनकार्यालय, वन तथा भूसंरक्षण विभाग आ वन तथा वातावरण मन्त्रालयसँ सम्पूर्ण प्रक्रिया पूरा भेलाक बाद गाछ काटबाक आदेश प्राप्त भेल अइछ ।
अइ आयोजनाअन्तर्गत पूर्वी खण्डसँ निर्माण काज करैबला महोत्तरी, धनुषा आ सर्लाही जिलामे जमा ११ हजार ५ सओ ७७ गाछ कटान करबाक आदेश प्राप्त भेल प्रमुख दास बतौलैन । सर्लाहीमे तीन हजार ६ सओ ७४ आ धनुषामे एक हजार ८ सओ ७६ गाछ कटान करबाक आदेश भेल प्रमुख दास बतौलैन । हुनक कहब अनुसार सड़क विस्तारक क्रममे सहरी तथा बजार क्षेत्रमे ६ लेनसहित ३१ मिटर चौडाइ आ अन्य क्षेत्रमे चाइर लेनसहित १८ मिटर चौडाइ कायम कएल जाएत ।
सड़क विस्तारक लेल सबसँ बेसी सखुवाके गाछ काटल जाएत । सड़क विस्तारमे बिजुलीके खम्बा हटेबाक आ पिबैबला पाइनक पाइप जड़ानक काज सेहो चुनौतीके रुपमे भेल आयोजना प्रमुख दास बतौलैन । धनुषा आ सर्लाहीमे गाछ कटानक काज सुरु भ गेल आ महोत्तरीमे सेहो जल्दी काज सुरु होबाक ओ बतौलैन । (रासस)





