प्रधानमन्त्री शाह आ संयुक्त राष्ट्रके महासचिव गुटेरेस बीच भेटवार्ता


न्युयोर्क (अमेरिका), ९ आसिन : प्रधानमन्त्री वालेन्द्र शाह आ संयुक्त राष्ट्रसंघके महासचिव एन्टोनियो गुटेरेसबीच भेटवार्ता भेल अइछ ।

संयुक्त राष्ट्रसंघके ८१म महासभामे सहभागी होबाक क्रममे प्रधानमन्त्री शाह महासभाकेँ सम्बोधनसँ पहिने राष्ट्रसंघके मुख्यालयमे महासचिव गुटेरेससँ भेट कएने प्रधानमन्त्रीके सचिवालय जनौलक अइछ ।

भेटमे प्रधानमन्त्री शाह नेपालप्रतिके सद्भावक लेल महासचिव गुटेरेसकेँ धन्यवाद दैत हुनक सफल कार्यकालक लेल बधाइ देलैन । रसुवाके भोटेकोशी नदीमे आएल विपदसँ नेपालकेँ पैघ क्षति भेल उल्लेख करैत प्रधानमन्त्री हिमताल फुटबाक जोखिम अखनो उच्च रहल बतौलैन ।

ओहि अवसरमे महासचिव गुटेरेस भोटेकोशी विपदमे भेल जनधनके क्षतिप्रति गहिर समवेदना व्यक्त करैत जलवायु मुद्दामे संयुक्त राष्ट्रसंघ नेपालसँ ऐक्यबद्ध रहल बतौलैन । ओ युवा नेपाली प्रतिनिधिमण्डलके प्रशंसा सेहो केलैन । स्वयं सन् १९७८ मे पर्यटकके रूपमे नेपाल गेल स्मरण करैत महासचिव गुटेरेस पदसँ निवृत्त भेलाक बाद सेहो नेपालकेँ सहयोग करैत रहबाक प्रतिबद्धता व्यक्त केलैन ।

सङे, प्रधानमन्त्री शाह आ महासचिव गुटेरेस बीच नदी किनारके बासीके पुनर्वास आ हरित पुन:र्निर्माणक विषयमे बातचित भेल छल । अतिकम विकसित राष्ट्र (एलडीसी) सूचीसँ नेपालके स्तरोन्नतिके समयसीमा विस्तारबारेमे सेहो बातचित भेल छल । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय