बिपी राजमार्गमे सवारी सञ्चालनमे राेक


बनेपा (काभ्रे), ८ आसिन : काभ्रेपलाञ्चोकमे सम्भावित भारी वर्षासहित बाइढ़ भूस्खलनके जोखिमकेँ ध्यानमे राखैत बिपी राजमार्गके काभ्रेपलाञ्चोक खण्डमे चाइर दिन राइतक समयमे सवारी आवागमन बन्द करबाक निर्णय कएल गेल अइछ ।

मनसुन प्रतिकार्य कमाण्ड पोष्ट काभ्रेपलाञ्चोकके आसिन ७ गते बैसल बैसारसँ आसिन ८ गतेसँ १२ गते भोर ५ः०० बजेधैर साँझ ५ः०० बजेसँ भोर ५ः०० बजेधैर बिपी राजमार्गके काभ्रे खण्डमे सवारी आवागमन बन्द करबाक निर्णय कएल गेल प्रमुख जिला अधिकारी गोपाल कुमार अधिकारी जानकारी देलैन ।

हुनक कहब अनुसार आसिन ८ गतेसँ आसिन ११ गते रैबदिनधैर भारी वर्षा होबाक कारण सम्भावित बाइढ़/भूस्खलनके जोखिम न्यूनीकरणके लेल राइतके समयमे सवारी आवागमन बन्द करबाक निर्णय कएल गेल अइछ ।

बैसारसँ वर्षा तथा बाइढ़के अवस्था मूल्याङ्कन क दिनके समयमे सवारीसाधन सञ्चालन बन्द करबाक अवस्था भेलापर जिला प्रहरी कार्यालय काभ्रेपलाञ्चोक आवश्यक निर्णय क सकबाक व्यवस्था सेहो कएल गेल अइछ । निर्णय कार्यावंयनमे सहजीकरणके लेल सिन्धुली आ भक्तपुरके प्रमुख जिला अधिकारीकेँ अनुरोध करबाक निर्णय कएल गेल अधिकारी बतौलैन ।

बैसारसँ नदी कात तथा भूस्खलनके जोखिममे रहल बासिन्दाकेँ सम्भावित बाइढ़ भूस्खलनबारे निरन्तर जानकारी कराबए तथा स्थानीय सञ्चारमाध्यममार्फत पूर्वसूचना सम्प्रेषणकेँ प्रभावकारी बनेबाक निर्णय कएल गेल अइछ । ओइ लेल नेपाल पत्रकार महासंघ काभ्रेपलाञ्चोक शाखाकेँ आवश्यक सहजीकरण करबाक लेल अनुरोध करबाक निर्णय कएल गेल अइछ ।

तहिना, नेपाली सेना श्रीमेहर गण, जिला प्रहरी कार्यालय काभ्रेपलाञ्चोक आ सशस्त्र प्रहरी बल नेपाल नं. १५ गण हेडक्वार्टरकेँ उद्धारमे खटैबला टोली विभिन्न स्थानमे तैयारी अवस्थामे राखबाक लेल बैसारसँ निर्देशन देल गेल अइछ । स्थानीय विपद व्यवस्थापन समितिसँ निरन्तर सम्पर्कमे रहि आवश्यक समवंय आ उद्धार व्यवस्थापनकेँ प्रभावकारी बनेबाक निर्णय कएल गेल अइछ ।

सम्भावित विपदके जोखिममे रहल नागरिककेँ पूर्वसूचनाप्रति सजग रहए तथा आवश्यक अवस्थाबाहेक जोखिमयुक्त क्षेत्रमे आवागमन नै करबाक लेल प्रशासन आग्रह केलक अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय