समानुपातिक निर्वाचन प्रणालीके लेल १ सओ दल दर्ता


काठमाण्डू, २४ अगहनः समानुपातिक निर्वाचन प्रणालीके लेल १ सओ राजनीतिक दल दर्ताक लेल निर्वाचन आयोगमे आवेदन देलक अइछ ।

अइगला फागुन २१ गतेके लेल निर्धारण कएल गेल प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचनक समानुपातिकदिस निवेदन देबाक समयसीमा भीतर १ सओ राजनीतिक दल निवेदन देने आयोग जनौलक अइछ । आयोग इएह अगहन २१ गतेसँ २३ गतेधैर समानुपातिक निर्वाचन प्रयोजनक लेल दल दर्ताक समयसीमा निर्धारण कएने छल । ओइ समय भीतर एक सओ राजनीतिक दल समानुपातिक निर्वाचन प्रणालीके लेल आवेदन देने आयोग जनौलक अइछ ।

तहिना, आवेदन देबैबलामे संयुक्त निर्वाचन चिह्न लेने आ एकल चुनाव चिह्न लेने राजनीतिक दल अइछ । प्राप्त भेल आवेदनपर आवश्यक अध्ययन क इएह अगहन २६ गतेधैर स्वीकृत कएल जेबाक आयोग जनौने अइछ । आयोगद्वारा निर्धारण कएल गेल कार्यसूची अनुसार अइगला पुस १३ आ १४ गते समानुपातिकदिसक बन्द सूची पेश करए पड़त । ओइ सूचीपर आवश्यक अध्ययन पश्चात् अइगला माघ ४ गते प्रारम्भिक सूची प्रकाशित हएत । उक्त सूचीपर दावी विरोध आ आवश्यक छानबिन क अइगला माघ २० गते अन्तिम सूची प्रकाशित हएत ।

जमा २ सओ ७५ सदस्यीय प्रतिनिधि सभामे १ सओ ६५ सदस्य प्रत्यक्ष निर्वाचन प्रणालीमार्फत निर्वाचित हएत । तहिना, १ सओ १० सदस्य समानुपातिक निर्वाचन प्रणालीमार्फत निर्वाचित हएत । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय