एनपिएल दोसर क्वालिफायरः आइ लुम्बिनी आ विराटनगर बीच प्रतिस्पर्धा


काठमाण्डू, २५ अहगनः नेपाल प्रिमियर लिग (एनपिएल)अन्तर्गत आइ दोसर क्वालिफायर खेल होएब लागल अइछ ।

त्रिभुवन अन्तर्राष्ट्रिय क्रिकेट रङ्गशालामे होएबला आजुक क्वालिफायर खेलमे लुम्बिनी लायन्स आ विराटनगर किङ्स बीच प्रतिस्पर्धा हएत । दूनु टोली बीचक खेल दुपहर ४ बजेसँ सुरु हएत ।

पहिल क्वालिफायरमे सुदूरपश्चिम रोयल्स सङे ७७ रनसँ पराजित भेलाक बाद विराटनगरकेँ दोसर क्वालिफायर खेलबाक मौका भेटल अइछ ।

तहिना, लुम्बिनी इलिमिनेटरमे काठमाण्डू गोर्खाजकेँ ४ विकेटसँ पराजित करैत दोसर क्वालिफायरमे स्थान सुनिश्चित कएने अइछ । लिग चरणमे लुम्बिनी विराटनगरकेँ ५ विकेटसँ पराजीत कएने छल ।

आइके खेलमे जीत हासिल करैबला टोली फाइनलमे स्थान सुनिश्चित करबाक कारण दूनु टोलीके लेल आजुक खेल महत्त्वपूर्ण अइछ । विजयी टोली उपाधीके लेल सुदूरपश्चिमसँ प्रतिस्पर्धा करत । फाइनल खेल इएह अगहन २७ गते शैनदिन हएत । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय