हनोइ (भियतनाम), २५ अगहनः थाइल्याण्ड आ भियतनामक लेल नेपाली राजदूत धन बहादुर ओली भियतनामी लगानीकर्ताकेँ नेपालमे लगानीके संभावना भेल उल्लेख करैत नेपालमे लगानी बढ़ेबाक लेल आग्रह केलैन अइछ ।
आइ भियतनामके राजधानी हनोइमे नेपाल उद्योग वाणिज्य महासंघ आ भियतनामी चेम्बर अफ कमर्श इन्डष्ट्री सङे भेल बातचितक क्रममे ओ नेपाल आ भियतनाम बीचक कूटनीतिक सम्बन्ध स्थापना भेल ५० साल पूरा भेल उल्लेख करैत दूनु देशके व्यापार आ लगानी क्षेत्रमे सहकार्य करबापर जोड़ देलैन ।
“बितल समय विश्वके अर्थतन्त्रमे नयाँ चुनौती देखाएल छै । एहन अवस्थामे दूनु देशके एक आपसमे आर्थिक सहकार्य बढ़ाबैत लाभ लेबाकदिस ध्यान देनाइ जरुरी छै”, ओ कहलैन, “नेपालमे निर्यातजन्य उद्योगमे लगानीके लेल हम भियतनामी लगानीकर्ताकेँ आग्रह करैत छी ।” दूनु देश बीच पर्यटनके क्षेत्रमे संभावना भेल सेहो ओ उल्लेख केलैन ।
नेपाल आ भियतनाम सरकार बीचक आर्थिक सहकार्यमार्फत क्षेत्रीय तथा अन्तर्राष्ट्रिय स्तरमे व्यापार क सकबाक हुनक कहब छलैन । नेपालमे उत्पादनमुलक उद्योग, आइसिटी, फार्मास्युटिकल्स तथा जडीबुटीलगायतक क्षेत्रमे लगानीके संभावना भेल ओ बतौलैन । नेपाल सरकार भियतनामी लगानीकर्ताके स्वागत करबाक लेल तैयार भेल उल्लेख करैत ओ दूनु देश बीचक व्यापार तथा लगानीके लेल नेपाल सरकार सहजीकरण करत से प्रतिबद्धता व्यक्त केलैन ।
नेपाल उद्योग वाणिज्य महासंघक अध्यक्ष चन्द्र प्रसाद ढकाल भियतनामक लगानीकर्तासमक्ष नेपाल आ भियतनाम बीच आओर आर्थिक सहकार्यकेँ आगु बढ़ेबाक लेल आग्रह केलैन । दू देश बीच कूटनीतिक सम्बन्ध ५० वर्ष भेल उल्लेख करैत ओ आब दू देश बीचक आर्थिक सहकार्यकेँ आओर मजबुत बनेबापर जोड़ देलैन । “दू देश बीच आर्थिक सहकार्यके लेल हम भियतनामी लगानीकर्ताकेँ आग्रह करैत छी । नेपालमे लगानीके पैघ संभावना छै, अइ अवसरकेँ सदुपयोग करबाक लेल हमरासभक प्रयास रहत”, ओ कहलैन ।
नेपालमे हस्तकला, चाह, जड़ीबुटी जेहन उत्पादनक भियतनाममे नीक बजारक संभावना भेल उल्लेख करैत अध्यक्ष ढकाल ओइदिस सेहो लगानी बढ़ा्यब सकबाक उल्लेख केलैन । दू देशक अर्थतन्त्र एक आपसमे पूरक बनबाक संभावना भेल ओ बतौलैन ।
नेपालमे पर्यटन क्षेत्रमे विशेष क केबलकार, रिसोर्ट, साहसिक पर्यटन, वेलनेस सेन्टरमे क्षेत्रीय लगानी बइढ़ रहल उल्लेख करैत ओ भियतनामी लगानीकर्ताकेँ हमसभ स्वागत करए चाहने बतौलैन ।
भियतनामी चेम्बर अफ कमर्श इन्डष्ट्रीके उपकार्यकारी अध्यक्ष न्गुयेन क्याङ भिन हमसभ सेहो नेपालसँ आओर आर्थिक साझेदारीके लेल इच्छुक भेल बतौलैन । नेपाल उद्योग वाणिज्य महासंघकेँ भियतनाममे स्वागत करबाका मौका भेटलमे खुसी भेल उल्लेख करैत ओ दूनु देश बीच लगानी आ व्यापारके क्षेत्रमे बेसी संभावना भेल उल्लेख करैत आर्थिक साझेदारीकेँ आओर मजबुद बनेबापर जोड़ देलैन । (रासस)





