एनपिएल : उपाधिक लेल सुदूरपश्चिम आ लुम्बिनी बीच प्रतिस्पर्धा


काठमाण्डू, २७ अगहन : राजधानीमे भ रहल दोसर संस्करणके नेपाल प्रिमियर लिग (एनपिएल)के फाइनल खेल आइ भ रहल अइछ । कीर्तिपुरस्थित त्रिवि अन्तर्राष्ट्रीय क्रिकेट मैदानमे दुपहर ३ः३० बजे सुरू हाेएबला फाइनल खेलमे साविक उपविजेता सुदूरपश्चिम रोयल्स आ लुम्बिनी लायन्स बीच खेल हएत ।

सुदूरपश्चिम पहिल क्वालिफायरमे विराटनगरकेँ ७७ रनसँ हराबैत उपाधिमे अन्तिम चरणमे पहुँचल छै । लुम्बिनी सेहो दोसर क्वालिफायरमे विराटनगरकेँ ४० रनसँ हराबैत फाइनलमे स्थान सुरक्षित केलक अइछ । पहिल क्वालिफायरमे सुदूरपश्चिमसँ पराजित भेल विराटनगर दोसर क्वालिफायर खेलबाक मौका पाैने छल ।

दिपेन्द्रसिंह ऐेरीके कप्तानीमे रहल सुदूरपश्चिम उपाधिक दाबेदार समूह अइछ । वितल साल फाइनलमे जनकपुर बोल्टससँ ५ विकेटसँ पराजित भेल सुदूरपश्चिम अइबेर उपाधिक रक्षा करबाक लक्ष्यमे अइछ ।

पहिल संस्करणमे लिग चरणेसँ बाहर रहल रोहित पौडेलके नेतृत्वके लुम्बिनी ट्रफी जीतबाक प्रबल प्रतिस्पर्धि अइछ । लिग चरणमे सुदूरपश्चिम ७ विकेटसँ लम्बिनिके हराैने छल ।

एपिएलके विजेता १ करोड़ १० लाख टका पुरस्कार प्राप्त करत । दोसर टोली ५१ लाख, तेसर टोली २५ लाख आ चारिम १५ लाख प्राप्त करत ।

नेपाल क्रिकेट सङ्घ(क्यान)के आयोजनामे इएह अगहन १ गतेसँ सुरू भेल प्रतियोगितामे आठ टोलीके सहभागीता छल । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय