नाट्य क्षेत्रमे मिनापक योगदान गौरवमय: मेयर मनोज साह


जनकपुरधाम । देशक बहुचर्चित आ प्रतिष्ठित जनकपुरधामक नाट्य संस्था मिथिला नाट्य कला परिषद् (मिनाप) क ४६म साधारणसभाक उद्घाटन सत्र शइन दिन सम्पन्न भेल अइछ।

जनकपुरधामस्थित योगेन्द्र–महेन्द्र नाट्य घरमे आयोजित साधारणसभाकेँ सम्बोधन करैत प्रमुख अतिथि जनकपुरधाम उपमहानगरपालिकाक मेयर मनोज साह कहलनि जे नाट्य क्षेत्रमे मिनापक योगदान अत्यन्त गौरवमय रहल अइछ। मिनापक अथक प्रयास आ योगदानसँ जनकपुरधामक सेहो गरिमा बढ़ल अइछ कहैत ओ आगाँक दिनमे संस्था आओर सशक्त रूपेँ आगाँ बढ़य लेल शुभकामना देलैन।

मिनापक अध्यक्ष प्रमेश्वर झा ‘प्रमेश’ क अध्यक्षतामे आयोजित कार्यक्रममे मिनापक महासचिव शैलेन्द्र मल्लिक संस्थाक वार्षिक कार्य प्रगति प्रतिवेदन प्रस्तुत करैत बितल एक वर्षमे नाटक, लोककला, भाषा–साहित्य आ सांस्कृतिक संरक्षणक क्षेत्रमे मिनाप जे भूमिका निभौने अइछ, ओहिक जानकारी देलैन।

ओइ अवसरमे मिथिला आ मैथिली लोककला, गीत, नाटक, भाषा–साहित्य आ संस्कृतिको संरक्षण तथा विकासमे विशिष्ट योगदान देबाक हेतु विभिन्न व्यक्तित्वसभकेँ सम्मानित कएल गेल। सम्मान पाबयवाला सभमे मैथिली विकास कोषक अध्यक्ष जीवनाथ चौधरी, पत्रकार वीरेन्द्र रमण, पत्रकार आ कलाकार ज्योति झा रहल छथि। एहिसँ अतिरिक्त बाल कलाकार सीया ठाकुर केँ सेहो सम्मानित कएल गेल।

कार्यक्रममे प्रा. परमेश्वर कापडि, वरिष्ठ साहित्यकार आ विश्लेषक रोशन जनकपुरी, पूर्व अध्यक्ष सुनिल मल्लिक लगायतक वक्तासभ मिनाप द्वारा चार दशकसँ बेसी समयसँ मैथिली नाटक आ सांस्कृतिक आन्दोलनमे देल गेल योगदानक चर्चा कएलैन आ भावी पुस्ताकेँ कला एवम् संस्कृतिसँ जोड़यमे संस्थाक भूमिका आओर सशक्त बनयपर जोर देलैन ।

साधारणसभाक उद्घाटन समारोहक पश्चात् बन्द सत्रमार्फत मिनापक नव नेतृत्व चयन होयबाक संभावना रहल अइछ, आयोजक जानकारी देलक अइछ।

उद्घाटन सत्रक सञ्चालन साहित्यकार आ पत्रकार श्यामसुन्दर शशीद्वारा कएल गेल। Image: Pramod Chaudhary

ताजा खबर
लोकप्रिय