काठमाण्डू, २९ अगहनः काठमाण्डू महानगरपालिकाके प्रमुख बालेन्द्र साह (बालेन) महानगर कार्यालय संचालन खर्च घटा क पुँजीगत खर्चकेँ विशेष महत्त्व देबाक नीति अपनौने बतौलैन अइछ ।
काठमाण्डू महानगरपालिकाके ३१म स्थापना दिवसके अवसरमे आइ आयोजित कार्यक्रममे प्रमुख साह बहाल करके क्षेत्र विस्तार कएल गेल आ नागरिकसँ संकलित राजस्व नागरिकके सामूहिक हितमे प्रयोग भ रहल स्पष्ट केलैन । महानगरके कार्यसम्पादन आ प्रगतिके बारेमे ओ कार्यक्रममार्फत जानकारी देलैन ।
प्रमुख साहके कहब अनुसार महानगरसँ बिना गर्दाके सड़क कार्यक्रमअन्तर्गत ५५ किलोमिटर सड़क सुधार सम्पन्न भेल अइछ । ६२ टा चौकमे हाईमास्ट लाइट जड़ान कएल गेल अइछ । तहिना, पाँच हजार ३ सओ १८ टा पोलमे १३ हजार ३ सओ ४० टा बल लगाएल गेल आ रात्रिकालीन सहरी सौन्दर्य विस्तार कएल गेल अइछ । बितल आर्थिक वर्षमे दू अरब ८६ करोड़ टका बराबरके पूर्वाधार योजना सम्पन्न भेल अइछ । करिब ९१ करोड़ टकाके लागतमे सम्पदा संरक्षणके काज करैतकाल २ सओ ७६ मूर्त सम्पदा आयोजना आ १ सओ २५ अमूर्त सम्पदा कार्यक्रम संचालन कएल गेल प्रमुख साह जानकारी देलैन ।
महानगर प्रमुख साहके कहब अनुसार महानगर अखनधैर २३ अरब टका बराबरके २ सओ ८ रोपनी सार्वजनिक जमीन फिर्ता आनने अइछ । आबैबला दिनमे करिब दू खरब टका बराबरके एक हजार ८ सओ ५९ रोपनी जमीन अतिक्रमणमुक्त करेबाक लक्ष्य रहल ओ बतौलैन । स्थानीय स्रोतसाधन आ सीपके अधिकतम प्रयोग करैत स्थानीय सीपकेँ आयमे रुपान्तरण करबाक लेल ‘एक वाड–एक कार्यक्रम’ संचालन भ रहल ओ जानकारी देलैन ।
आर्थिक, सामाजिक आ पूर्वाधार विकास, सुशासन तथा प्रशासनिक सुधार महानगरके नियमित कार्यक्षेत्र भेल महानगर प्रमुख साह बतौलैन । प्राकृतिक सम्पदा आ मानव–निर्मित सृजनाके संरक्षण, संवर्द्धन आ प्रवर्द्धनमार्फत सहरके सांस्कृतिक पहिचान जोगेबाक, सहरी स्वच्छता आ सरसफाइ विस्तार करबाक तथा एकीकृत पूर्वाधार विकासमार्फत सेवा प्रवाहकेँ सहज आ चुस्त बनेबाक महानगरके दायित्व भेल महानगर प्रमुख साह बतौलैन ।
महानगर स्वास्थ्य, शिक्षा, रोजगारी प्रवर्द्धन, वातावरण सुधार आ पूर्वाधार कार्यक्रमकेँ आओर प्राथमिकतासहित कार्यावंयनमे आनल गेल जनौने अइछ । स्वास्थ्यदिस एक हजार ८६ विपन्न नागरिककेँ इलाजक लेल सिफारिस कएल गेल, २ सओ १० गोटेके निःशुल्क इलाज कएल गेल तथा ३२ वाडमे स्वास्थ्य प्रवर्द्धन केन्द्रसहित ३५ स्वास्थ्य संस्था आ जनस्वास्थ्य प्रयोगशाला स्थापना कएल गेल प्रमुख साह जानकारी देलैन ।
तहिना, विद्युतीय शासनअन्तर्गत इ–सिफारिस आ इ–कार्यालय प्रणाली कार्यावंयनमे आनल गेल अइछ । तहिना १ सओ ५२ आइगलगीके घटना आ १ सओ ४३ जोखिमयुक्त गाछ व्यवस्थापन कएल गेल महानगर जनौने अइछ । सहरी योजना आयोगमार्फत १ सओ ६४ योजनाके विस्तृत डीपीआर तैयार कएल गेल अइछ, तँ ६ अरब ३३ करोड़ ५८ लाख टकाके लागत अनुमान भेल २ सओ ५१ योजना बोलपत्रमार्फत खरिद कएलापर एक अरब २३ करोड़ टका बचत भेल ओ जानकारी देलैन ।
“महानगरमे कल सेन्टर आ हेलो सरकारमार्फत प्राप्त नौ हजारसँ बेसी जिज्ञासामध्ये अधिकांश फर्छाएल गेल अइछ । तीस हजार ३ सओ २३ ज्येष्ठ नागरिककेँ मासिक चाइर हजारके हिसाबसँ सामाजिक सुरक्षा भत्ता वितरण कएल गेल छै”, ओ कहलैन ।
तत्कालीन, मध्यकालीन आ दीर्घकालीन योजनाके प्रभावकारी कार्यावंयनसँ महानगरवासीकेँ काठमाण्डूमे बसोबास कएने गर्व होबाक वातावरण बनाओल जेबाक प्रमुख साह प्रतिबद्धता व्यक्त केलैन । ओइ लेल संघ, प्रदेश, विकास साझेदार, नागरिक समाज आ निजी क्षेत्रसँ सहकार्यके ओ अपेक्षा व्यक्त केलैन । (रासस)





