डिजेल आ मट्टितेलके दाम घटल, पेट्रोलके बढ़ल


काठमाण्डू, १ पुषः नेपाल आयल निगम डिजेल आ मट्टितेलके दाम घटौलक अइछ, तँ पेट्रोलके दाम बढ़ौलक अइछ । निगमके संचालक समितिके बैसारसँ सोमदिन मध्य राइतसँ लागू होएजँका डिजेल आ मट्टितेलमे प्रतिलिटर चाइर टका घटाएल गेल अइछ । तहिना, पेट्रोलमे प्रतिलिटर दू टका बढ़ाएल गेल अइछ ।

दाम समायोजन सङे डिजेल आ मट्टितेल पहिल वर्गके लेल प्रतिलिटर १ सओ ३९ टका ५० पैसा, दोसर वर्गके लेल १ सओ ४१ टका आ तेसर वर्गके लेल १ सओ ४२ टका कायम भेल अइछ । तहिना, पेट्रोल पहिल वर्गके लेल प्रतिलिटर १ सओ ६० टका ५० पैसा, दोसर वर्गके लेल १ सओ ६२ टका आ तेसर वर्गके लेल १ सओ ६३ टका कायम भेल अइछ ।

निगमद्वारा चारआली, विराटनगर, जनकपुर, अमलेखगञ्ज, भलबारी, नेपालगन्ज, धनगढी आ वीरगञ्ज डिपोकेँ पहिल वर्ग, सुर्खेत आ दाङ डिपोकेँ दोसर वर्ग आ काठमाण्डू, पोखरा आ दिपायल डिपोकेँ तेसर वर्गमे राखल गेल अइछ । निगमके डिपोसँ १५ किलोमिटरधैरके लेल उक्त खुद्रा बिक्री दाम लागू हएत ।

निगम हवाई इन्धन आ खाना बनाबैबला ग्याँसके दाम यथावत राखने अइछ ।

इण्डियन आयल कर्पोरेशनसँ सोमदिन प्राप्त पेट्रोलियम पदार्थके नयाँ खरिद टका अनुसार डिजेल आ मट्टितेलमे प्रतिलिटर छ टका ९३ पैसा घइट क तथा पेट्रोलमे एक टका ९४ पैसा बइढ़ क अएलाक कारण खुद्रा बिक्री मूल्य समायोजन कएल गेल निगम जनौलक अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय