काठमाण्डू, १ पुसः नेकपा (एमाले)क ११म राष्ट्रिय महाधिवेशनमे नयाँ नेतृत्व चयनक लेल उमेदवारी मनोनयनके अन्तिम नामावली सार्वजनिक कएल गेल अइछ ।
पार्टीके केन्द्रीय निर्वाचन आयोगद्वारा सार्वजनिक कएल गेल नामावलीअनुसार अध्यक्ष पदमे वर्तमान अध्यक्ष केपी शर्मा ओली आ वर्तमान वरिष्ठ उपाध्यक्ष ईश्वर पोखरेल बीच प्रतिस्पर्धा हएत । निर्वाचन कार्यक्रम भृकुटीमण्डपमे भ रहल अइछ ।
तहिना, ५ गोटे उपाध्यक्ष पदक लेल ११ गोटेक उमेदवारी पड़ल अइछ । महासचिव पदक लेल शङ्कर पोखरेल आ सुरेन्द्र पाण्डेके मनोनयन दर्ता भेल अइछ ।
तीन उपमहासचिव पदक लेल सात गोटेके उमेदवारी पड़ल अइछ । नौ सचिव पदक लेल २० गोटेक उमेदवारी दर्ता भेल अइछ । आयोग आइ दुपहर ४ बजेसँ मतदान करबाक तैयारी कएने अइछ । महाधिवेशनमे २ हजार २ सओ ६२ गोटे प्रतिनिधि अइछ । (रासस)





