‘नेपाल भ्रष्टाचार विरुद्ध शून्य सहनशीलताके कठोर नीति अवलम्बन कएने अइछ’


काठमाण्डू, २ पुसः नेपाल, भ्रष्टाचार विरुद्ध शून्य सहनशीलताके कठोर नीति अवलम्बन कएने तथा कानुनी, प्रशासनिक एवं संस्थागत सुधारकेँ तदारुकताके सङ कार्यावंयन क रहल स्पष्ट केलक अइछ । तहिना, वित्तीय कारबाही कार्यदल (एफएटिएफ)के कार्ययोजनाअन्तर्गतके दायित्व पूरा करबाक चरणमे नेपाल रहल जनौलक अइछ ।

कतारक राजधानी दोहामे जारी संयुक्त राष्ट्र सङ्घीय भ्रष्टाचार विरुद्धके महासन्धि पक्ष राष्ट्रसभक ११म सम्मेलनमे नेपाल उक्त जानकारी देलक अइछ । सम्मेलनमे मङ्गलदिन भाग लैत नेपाली प्रतिनिधिमण्डलके नेता प्रधानमन्त्री तथा मन्त्रिपरिषद् कार्यालय सचिव गोविन्द बहादुर कार्की सुशासन प्रवर्द्धन आ भ्रष्टाचार नियन्त्रणक उद्देश्यसँ नेपालमे अन्तरिम सरकार गठन भेल जानकारी दैत सुशासन प्रवर्द्धनमे वर्तमान सरकार पूर्ण प्रतिबद्ध रहल बतौलैन ।

दोहास्थित नेपाली राजदूतावासके अनुसार संयुक्त राष्ट्र सङ्घीय भ्रष्टाचार विरुद्धके महासन्धिप्रति नेपालक प्रतिबद्धता दोहराबैत सचिव कार्की पदके दुरुपयोग, घुसखोरी, सम्पत्ति शुद्धीकरण, अवैध सम्पत्ति आर्जनकेँ अपराधके रुपमे घोषणा क ओकरा नियन्त्रण करबाक लेल सरकारद्वारा सुरु कएल गेल प्रयासक बारेमे जानकारी देलैन । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय