काठमाण्डू, ३ पुसः निर्वाचन आयोग अइगला माघ ११ गते होएबला राष्ट्रिय सभा सदस्य निर्वाचनक लेल मतदानस्थल आ मतदान केन्द्र निर्धारण केलक अइछ । आयोगद्वारा बुधदिन सातो प्रदेशक लेल मतदानस्थल निर्धारण कएल गेल सहसचिव एवं प्रवक्ता नारायण प्रसाद भट्टराई जानकारी देलैन ।
ओ कहलैन, “आयोग सातो प्रदेशक राजधानी भेल जिलामे मतदानस्थल रहएजँका स्थान निर्धारण कएल गेल छै । निर्धारण कएल गेल मतदानस्थलमे दू–दूटा मतदान केन्द्र रहबाक व्यवस्था मिलाएल गेल छै।” निर्वाचनमे प्रदेश सभाक सदस्य, गाउँपालिकाक अध्यक्ष आ उपाध्यक्ष तथा नगरपालिकाक प्रमुख आ उपप्रमुख रहल निर्वाचन मण्डल मतदान करबाक व्यवस्था रहत, तँ मतदान केन्द्र ‘क’ प्रदेश सभाक सदस्यके लेल आ मतदान केन्द्र ‘ख’ गाउँपालिकाके अध्यक्ष आ उपाध्यक्ष तथा नगरपालिकाक प्रमुख आ उपप्रमुखके लेल निर्धारण कएल गेल अइछ ।
आयोगद्वारा बुधदिन जारी विज्ञप्तिमे कहल गेल अइछ, “कोशी प्रदेशक प्रदेश निर्वाचन कार्यालय परिसर, विराटनगर मोरङ, मधेश प्रदेशक महेन्द्र नारायण निधि मिथिला संस्कृति केन्द्र, जनकपुर उपमहानगरपालिका वाड नं. ४ धनुषा, बागमती प्रदेशक भुटनदेवी माध्यमिक विद्यालय, हेटौँडा उपमहानगरपालिका–४ मकवानपुर, गण्डकी प्रदेशके प्रदेश निर्वाचन कार्यालय परिसर, पोखरा कास्कीमे प्रदेशक मतदान केन्द्र निर्धारण कएल गेल छै ।”
तहिना, आयोग लुम्बिनी प्रदेशक कर्मचारी मिलन केन्द्र, घोराही, दाङ, कर्णाली प्रदेशके प्रदेश निर्वाचन कार्यालय परिसर, वीरेन्द्रनगर, सुर्खेत आ सुदूरपश्चिम प्रदेशके प्रदेश निर्वाचन कार्यालय परिसर, धनगढी, कैलालीमे निर्धारण कएल गेल अइछ । (रासस)





