काठमाण्डू, ४ पुसः सरकार बितल भादब २३ आ २४ गते जेनजी पुस्ताद्वारा कएल गेल प्रदर्शनमे घायल भेल व्यक्तिसभक वर्गीकरणकेँ तीव्रताके सङ आगु बढ़ौलक अइछ ।
जेनजी प्रदर्शनमे घायल भेल व्यक्तिके अपाङ्गताके अवस्था तथा गम्भीरताके आधारमे आर्थिक सहायतासहित जीवन निर्वाहके लेल सहयोग उपलब्ध करेबाक सन्दर्भमे मन्त्रिपरिषद्क बैसारसँ बितल अगहन २२ गते स्वीकृत कएल गेल कार्यविधिके आधारमे वर्गीकरणकेँ तीव्रता देल गेल गृह मन्त्रालय जनौलक अइछ ।
गृहमन्त्री ओम प्रकाश अर्यालक सचिवालयके अनुसार जिला प्रशासन कार्यालयसभ वर्गीकरणके सिफारिस करत आ ओएह आधारमे स्वास्थ्य तथा जनसङ्ख्या मन्त्रालय प्रमाणित करत ।
कार्यविधि अनुसार घायल भेल व्यक्तिके अपाङ्ताके आधारमे वर्गीकरण करबाक लेल स्वास्थ्य मन्त्रालयके सहसचिवक संयोजकत्वमे प्राविधिक समिति रहत । उक्त समिति घायल भेल व्यक्तिकेँ साधारण, मध्यम, गम्भीर आ अतिगम्भीर क चाइर किसिममे वर्गीकरण करबाक व्यवस्था कएल गेल अइछ ।
गम्भीर घायल व्यक्तिके महिनाके नौ हजार टका आ अतिगम्भीर घायल भेल व्यक्तिके जीविकोपार्जन भत्ताबापत महिनाके १८ हजार टका उपलब्ध करेबाक व्यवस्था कएल गेल गृह मन्त्रालय जनौलक अइछ । कार्यविधि अनुसार मध्यम प्रकृतिके घायल भेल व्यक्तिके महिनाके चाइर हजार टका भत्ता उपलब्ध करेबाक व्यवस्था कार्यविधिमे कएल गेल अइछ ।
गृहमन्त्री अर्यालक सक्रियतामे जेनजी आन्दोलनमे घायल भेल व्यक्तिसभक जनभावना अनुरूप वर्गीकरणके लेल मन्त्रालय सम्बद्ध निकायकेँ घायल भेल व्यक्तिसभक वर्गीकरण करबाक काजकेँ तीव्रता देबाक लेल निर्देशन देने बमोजिम प्रक्रिया आगु बढ़ाएल गेल वर्गीकरण सहजीकरण समिति जनौने अइछ । (रासस)





