विराटनगर । मैथिली भाषा, साहित्य आ संस्कृतिक संरक्षण तथा प्रवद्र्धनक उद्देश्यसँ अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन २०२५ विराटनगरमे आयोजना होमए जा रहल अइछ ।
सम्मेलन मैथिली एसोसिएशन नेपाल आ वरिष्ठ संस्था मैथिली सेवा समितिक संयुक्त सहकार्यमे आयोजन होबए जा रहल अइछ । एसोसिएसनक अध्यक्ष प्रविणनारायण चौधरीक अनुसार सम्मेलनक उद्घाटन विराटनगरक त्रिमूर्ति चौक पर शोभा यात्राक सङ्ग कएल जायत । उद्घाटन अवसरमे महाकवि विद्यापति, भाषाशास्त्री महानन्द सापकोटा आ नेपाली भाषाक प्रसिद्ध कवि भानुभक्त आचार्यक त्रिमूर्तिपर माल्यार्पण कएल जाएत । तकरबाद कोशी प्रदेशक पर्यटन मन्त्री सदानन्द मण्डलद्वारा सम्मेलनक औपचारिक शुभारम्भ कएल जेबाक कार्यक्रम रहल अइछ ।
हुनकाद्वारा देल गेल जानकारी अनुसार अइबेर सम्मेलनमे करिब १०० गोट विद्वानक सहभागिता रहत । सम्मेलन ११ टा सत्रमे सम्पन्न होयत, जतए मिथिलालोकक जीवन–पद्धति, भाषा सँ रोजगार आ भविष्य–निर्माणक सम्भावना, नेपालक हालिया राजनीतिक परिवर्तन, मिथिला राज्यक सान्दर्भिकता, मैथिली भाषाक विविध स्वरूप, संचार–मीडियामे मैथिलीक अवस्था, सांस्कृतिक क्षरण, जेन–जीक सोच तथा मिथिलाक्षेत्रमे पर्यटन, उद्योग आ आर्थिक विकास जेकाँ विषयसभ पर विमर्श कएल जायत ।
सम्मेलनमे विद्वान् पर्यवेक्षक, टिप्पणीकार आ सत्र–समीक्षक सभक उपस्थिति रहत आ अन्तमे निष्कर्ष सहितक घोषणापत्र जारी कएल जेबाक नियार भेल अइछ । सम्मेलनक सङ्ग–सङ्ग पुस्तक मेला, पर्यटन मेला आ’ चित्रकला मेला आयोजित कएल गेल जाएत । सांस्कृतिक कार्यक्रम अन्तर्गत भैरवि वन्दना नृत्य आ डा. बिपिन कुमार मिश्रक शंखवादन सँ सांस्कृतिक प्रस्तुति होएत ।
पहिल दिनक साँझ डा. बुद्धिनाथ मिश्र, दीपिका चन्द्रा, प्रेम विदेह आ पूनम मैथिलीक काव्य प्रस्तुति रहत । तदोपरान्त कवि शिव नारायण पण्डितक सञ्चालनमे नवाचारी फोरमेटमे कवि सम्मेलन आयोजित होएत ।
दोसर दिन भोरे ९ बजे सँ रातिक ९ बजे धरि सम्मेलनक सत्र चलत। सन्ध्याकालीन सत्रमे अमर–प्रियाक युगल जोड़ी द्वारा सांस्कृतिक साँझ प्रस्तुत कएल जायत । जकर सञ्चालन उद्घोषक किसलय कृष्ण रहत । एसोसिएसनक अध्यक्ष चौधरीद्वारा देल गेल जानकारी अनुसार तैआरी तीब्र रुपमे भ रहल अइछ ।
तस्विर : कोशी प्रदेशक पर्यटन मन्त्री सदानन्द मण्डलद्वारा अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली सम्मेलनक प्रमुख अतिथि बनबाक आमंत्रण पत्र हस्तांतरित करैत मैथिली एसोसिएसन नेपालक अध्यक्ष प्रविणनारायण चौधरी आ संस्था सचिव भाष्कर चौधरी





