सखी–बहिनपाक आयोजनमे अंतर्राष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन सम्पन्न


मधुबनी । सखी–बहिनपा मैथिलानी समूहक आयोजनमें भारत बिहारक मधुबनी स्थित मिथिला हाटमें एक दिवसीय अंतर्राष्ट्रीय सम्मेलन शइन दिन भव्य रूपमे सम्पन्न भेल ।

अइ अवसरमे पर मुंबई, दिल्ली, बोकारो, राँची, जनकपुर, राजबिराज, काठमांडू, इंदौर, सहरसा, दरभंगा, जबलपुर सहित विभिन्न स्थानसँ आयल महिलासब अपन उपस्थिति सँ सम्मेलनकेँ गौरवान्वित कएलैन ।

सम्मेलनक मुख्य आकर्षण रहल रंगारंग सांस्कृतिक कार्यक्रम, जाहिमे लोककला, लोकगीत, नृत्य आ पारंपरिक प्रस्तुति सभ देखाएल गेल । कार्यक्रममे विधायक माधव आनन्द विशिष्ट अतिथि रूपमे उपस्थित रहलैथ । हुनकर उपस्थिति सँ कार्यक्रमकेँ विशेष गरिमा प्राप्त भेल ।
सम्मेलनक माध्यमसँ मैथिली कला, साहित्य आ भाषाक संरक्षण, संवद्र्धन आ महिला सशक्तिकरण पर विशेष जोर देल गेल । वक्तासब मैथिली संस्कृतिक वैश्विक पहचान देबाक आवश्यकता पर अपन विचार व्यक्त कएलैथ ।

कार्यक्रमक विशिष्ठ अतिथि साहित्यकार एवम् अभियानी करुणा झा (राजविराज) सहित विशेष योदान देनिहार व्यक्तित्वसबकेँ सम्मानित कएल गेल । सम्मेलनमे हजारों महिला अपन सक्रिय सहभागिता दर्ज करौलैन ।

सखी–बहिनपा मैथिलानी समूह अंतर्राष्ट्रीय स्तरक एक सशक्त आ सक्रिय सांस्कृतिक मंच छी । अइ समूहक मुख्य उद्देश्य मैथिली भाषा, साहित्य, कला, लोकसंस्कृतिक संरक्षण आ संवद्र्धन करब अइछ ।

देश–विदेशक विभिन्न स्थानमे रहैत मैथिलानी महिलासभ एहि मंचसँ जुइड़कऽ सांस्कृतिक, शैक्षिक, प्रतिभा प्रष्फूटन सङ्गे सामाजिक गतिविधि सभमे सक्रिय सहभागिता जनबैत छइथ । ई समूह महिला चेतना, आत्मसम्मान आ नेतृत्व विकास पर विशेष जोर दैत अइछ । सम्मेलन, गोष्ठी, सांस्कृतिक कार्यक्रम आ सामाजिक अभियानक माध्यम सँ समूह मिथिलाक अस्मिता आ परंपराकेँ नव पुस्ताधइर पहुँचाबैमे निरंतर प्रयासरत अइछ ।

ताजा खबर
लोकप्रिय